जनसरोकार

बिहार राज्य आपदा प्रबंधन प्राधिकरण द्वारा अग्निकांड गृह क्षति अनुग्रह अनुदान वितरण शिविरक आयोजन

बेनीपुर समदिया
*

कर्पूरी सभा भवन बेनीपुरमे बिहार राज्य आपदा प्रबंधन प्राधिकरण द्वारा आयोजित अग्निकांड गृह क्षति अनुग्रह अनुदान वितरण शिविरकेँ संबोधित करैत स्थानीय विधायक प्रोफेसर विनय कुमार चौधरी कहलनि जे बिहारक लोकप्रिय मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक स्पष्ट मानब छन्हि जे ‘सरकारी खजाना पर पहिल अधिकार आपदा पीड़ितक अछि।’ ओ कूल 42 लाभार्थीकेँ गृह क्षति मदमे 8000/- टाकाक चेक सभकेँ देलन्हि । एकरा संगहि बकरी आ दूगो महिंसक मृत्यु अग्निकांडमे भेलाक कारणे दूगो महींसीक
प्रत्येककेँ 75000 टाका आ चारिगो बकरीक प्रत्येककेँ 4000 टाकाक दरसँ अनुदान राशि बाँटल गेल।

ज्ञातव्य अछि जे वर्ष 2024 मे प्रखंड क्षेत्रक विभिन्न गाममे आगिसँ प्रभावित परिवार सभकेँ तत्काल राशन, कपड़ा आ बर्तनक मदमे प्रति 11200 टाकाक भुगतान कयल जा चुकल अछि। शेष आर्थिक अनुदान बिहार सरकारक राज्य आपदा प्रबंधन प्राधिकरण द्वारा प्रावधानक अनुसार विधायक विनय कुमार चौधरी कर्पूरी सभा भवनमे शिविर लगाकय अपना हाथे बाँटलन्हि । ओहि दौरान ओ कहलनि जे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक नेतृत्वमे न्याय केर संग विकास भऽ रहल अछि। सभ जाति , धर्म, वर्ग आ समुदाय केर लोकक भागीदारी सुनिश्चित कयल जा रहल अछि । राहत राशि बांटलाक बाद ओ आम लोक सभकेँ संबोधित करैत कहलनि जे ई राशि सरकार द्वारा आहाँ सभकेँ दऽ कऽ सहायता कयल गेल अछि । एहिमे ककरो कोनो योगदान नहि छैक। तें आहाँ सभ एक्कोगो पैसा ककरो रिश्वत या सुविधाक नाम पर नहि दैत जायब। एहिमे कोनो बिचौलिया जौं कोनो तरहक खेल करय चाहत तऽ ओकर जानकारी अंचल अधिकारी आ हमरा अवश्य देब।

ओहि दौरान पीड़ित जन समूह विधायक विनय चौधरीक प्रति आभार व्यक्त करैत नीतिश सरकारक प्रशंसा कयलनि।

ओहि दौरान अंचल अधिकारी अश्विनी कुमार, अंचल निरीक्षक अश्विनी कुमार राय, नाजीर श्याम मिश्र, बैजू यादव, पूर्व उप प्रमुख प्रेम कुमार झा, पप्पू सिंह, अमित झा सहित अन्यान्य लोक उपस्थित छलाह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *