देश-दुनिया

पीएम मोदी नाइजीरियाक सर्वोच्च सम्मान ‘द ग्रैंड कमांडर ऑफ द ऑर्डर ऑफ नाइजर’सँ सम्मानित

नई दिल्ली
*

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकेँ नाइजीरियाक सर्वोच्च सम्मान ‘द ग्रैंड कमांडर ऑफ द ऑर्डर ऑफ द नाइजर’ (जीसीओएन) सँ सम्मानित कयल गेल। प्रधानमंत्री मोदीकेँ रविदिन नाइजीरिया द्वारा ई सम्मान देल गेल। कोनो देश द्वारा प्रधानमंत्री मोदीकेँ देल जायवला ई १७म अंतर्राष्ट्रीय पुरस्कार अछि।
खास बात ई अछि जे प्रधानमंत्री मोदी नाइजीरियाक ई सर्वोच्च सम्मान प्राप्त करयवला दुनियाक दोसर प्रमुख व्यक्ति भेलाह। महारानी एलिजाबेथ एकमात्र विदेशी गणमान्य व्यक्ति छलीह जे १९६९मे ई पुरस्कार पओने छलीह।

एहिसँ पहिने डोमिनिका प्रधानमंत्री मोदीकेँ अपन सर्वोच्च राष्ट्रीय पुरस्कारसँ सम्मानित करबाक घोषणा कयने छल। प्रधानमंत्री मोदीकेँ ई सम्मान कोरोना महामारीक समय कैरेबियन द्वीप राष्ट्रक सहायता आ दुनू देशक बीच साझेदारीकेँ मजबूत करबाक दिशामे समर्पणक लेल देल जयबाक घोषणा भेल।

डोमिनिकाक प्रधानमन्त्री कार्यालय कहलक जे डोमिनिका सम्मान राष्ट्रपति सिल्वेनी बर्टन द्वारा भारत-कैरेबियन समुदाय (कैरिकॉम) शिखर सम्मेलनक दौरान मोदीकेँ देल जायत।

डोमिनिकाक प्रधानमन्त्री कार्यालयक आधिकारिक वक्तव्यमे कहल गेल अछि, “फरवरी २०२१मे प्रधानमंत्री मोदी डोमिनिकाकेँ एस्ट्राजेनेका कोविड-१९ टीकाक ७०,००० खुराक प्रदान कयलनि। ई उपहार डोमिनिकाकेँ अपन कैरेबियन पड़ोसीसभकेँ सहायता प्रदान करबामे सक्षम कयलक।”

ई पुरस्कार पीएम मोदीक नेतृत्वमे स्वास्थ्य सेवा, शिक्षा आ सूचना प्रौद्योगिकीमे डोमिनिकाक लेल भारतक समर्थनकेँ मान्यता दैत अछि।

प्रधानमंत्री मोदी रविदिन पहिल बेर नाइजीरिया पहुँचल छथि। नाइजीरियाक राष्ट्रपति बोला अहमद टीनुबू अबुजा हवाई अड्डा पर प्रधानमंत्री मोदीक गर्मजोशीसँ स्वागत कयलनि। ई यात्रा भारत आ नाइजीरियाक बीच सम्बन्धकेँ मजबूत करबाक लेल विशेष मानल जाइत अछि।

एहि तीन देशक यात्रामे प्रधानमंत्री मोदी पहिने नाइजीरियामे (१६ सँ २१ नवंबर) जी-२० शिखर सम्मेलनमे भाग लेताह, फेर ब्राजीलमे, आ अन्तमे गुयानाक दौरा करताह। गुयानाक ई यात्रा ५० सालमे कोनो भारतीय प्रधानमन्त्रीक पहिल राजकीय यात्रा होयत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *