बिहारक राजधानी पटनामे उम्मीदवार सभक हंगामाक मामिला सोझाँ आयल अछि। कहल जा रहल अछि जे दानापुरमे सेना भर्तीक दौड़ छल। दौड़मे शामिल होयबाक लेल भारी भीड़ पहुँचल, मुदा सभकेँ मौका नहि भेटि सकल।
दानापुरमे सेना भर्तीक लेल दौड़क आयोजन कएल गेल। एहि दौड़मे शामिल होयबाक लेल शनिदिन युवासभक भारी भीड़ पहुँचल। कहल जा रहल अछि जे दानापुरमे चलि रहल दौड़मे शामिल होबय लेल बिहारक अलग-अलग जिलासँ लगभग ३० हजार युवा पहुँचल छलाह। मुदा, सबकेँ मौका नहि भेटि सकल, भीड़ दौड़क लेल निर्धारित युवाक क्षमतासँ बेसी भऽ गेल। पुनः दौड़मे शामिल हेबाक मौका नहि भेटला पर युवा लोकनि हंगामा करय लगलाह। एकर बाद पुलिस हंगामा करय बला युवक पर हल्का बल सेहो प्रयोग कयलक।
दौड़मे शामिल नहि भेलाक कारण सैनिक चौक पर उम्मीदवार सभ हंगामा करय लगलाह। एतय जमा युवक दौड़बाक माँग करैत चौककेँ अवरुद्ध कऽ देलक। जहिना एकर सूचना भेटल, पुलिस टीम सेहो युवाकेँ हटाबय लेल हल्का बलक प्रयोग कयलक।
ओतहि दौड़मे भाग लेनिहार किछु उम्मीदवार आरोप लगओलनि अछि जे पुलिस हुनका सभकेँ दौड़ा-दौड़ा कऽ पीटलक। ओना, पुलिस एहि मामिलापर स्पष्टीकरण दैत कहलक अछि जे भीड़क कारण एतय एहेन स्थिति उत्पन्न भेल। दौड़ रद्द नहिं कयल गेल अछि, क्षमता अनुरूप लोककेँ दौड़ायल जा रहल अछि। बाकीकेँ विरोध करबासँ मना करैत वापिस पठा देल गेल अछि। पुलिसक कहब अछि कि जगह पर स्थिति नियंत्रणमे अछि आ कोनो तरहक हंगामा नहिं भेल अछि।