अपराध

दरभंगा फायरिंग मामिलामे हमलावरक मृत्यु , अपन जमीनक खतियान ताकय लेल आयल ट्रस्ट कार्यालय

दरभंगा समदिया
*

कामेश्वर सिंह धार्मिक न्याय कार्यालय पर बृहस्पतिदिन भेल गोलीबारीक मुख्य आरोपी बृहस्पति यादवक शुक्रदिन उपचारक क्रममे मृत्यु भऽ गेल। कटिहार जिलाक मनियारी थाना क्षेत्रक निवासी बृहस्पति यादव बृहस्पतिदिन विश्वविद्यालय थाना क्षेत्रक रामबाग परिसरमे स्थित ट्रस्ट कार्यालयमे कार्यरत कर्मचारीसभ पर हमला कयलक। ओ पहिने दूटा अधेड़ आयुक लोकपर बाँससँ हमला कयलक आ फेर लगभग दस राउंड फायरिंग कयलक।

बाँसक हमलामे कार्यालयक दूटा कर्मचारी घायल भऽ गेलाह। बादमे स्थानीय लोकसभ वृहस्पति यादवकेँ पकड़ि लेलक आ बेरहमीसँ पीटलक। घटनाक सूचना भेटलाक बाद पुलिस घटनास्थल पर पहुँचल आ बृहस्पति यादवकेँ हिरासतमे लऽ कऽ इलाजक लेल डीएमसीएच पठा देलक। शुक्रदिन ओतए इलाजक दौरान ओकर मृत्यु भऽ गेल। पुलिसक अनुसार, बृहस्पति यादवसँ लगभग ४२ गोट जिन्दा कारतूस आ एकटा देसी पिस्तौल बरामद कयल गेल अछि।

बृहस्पतिदिन लगभग ३ बजे बृहस्पति यादव हाथमे बाँस लऽ कऽ कामेश्वर सिंह धार्मिक न्याय न्यासक कार्यालय पहुँचल। ट्रस्टक कर्मचारी अपन काजमे व्यस्त छलाह। कार्यालयक कमांडेंट पुछलखिन कि की बात अछि, जाहि पर ओ हुनका दू बेर बाँससँ मारलक। ओ घायल भs गेलाह। एहि दौरान बचावमे आयल एकटा आओर कर्मी तिलय मंडलक माथ पर बाँससँ प्रहार कयलक। ओ गंभीर रूपसँ घायल भेलाह। एकर बाद कार्यालयमे अफरातफरी मचि गेल। लोकसभकेँ अपनि दिसि आबि रहल देखि हमलावर एकटा बंदूक निकाललक आ एकक बाद एक दस राउंड फायरिंग कयलक। तखन दूटा कर्मचारी प्रबंधकक कार्यालय कक्षमे नुका गेल। मुदा स्थानीय लोक कोनो तरहेँ ओकरा पकड़ि लेलक।सूचना पुलिसकेँ देल गेल। पुलिस अधिकारी सभक अयलाक बाद ओकरा पुलिसकेँ सौंपि देल गेल।

हमलावर घटना किएक कयलक, ई एखन धरि स्पष्ट नहि भेल अछि, मुदा कहल जा रहल अछि जे ओ अपन जमीनक लेल चिन्तित छल। स्थानीय लोकक कहब छनि जे बृहस्पति यादवक जमीन कटिहार जिलाक मनिहारीमे अछि। ओ कहलनि जे जमीन हुनका राज दरभंगा द्वारा आवंटित कयल गेल छल। आन लोक आब ओहि जमीन पर दावा कs चुकल अछि। हालहिमे सीओ ओहि जमीनकेँ दोसर पक्षक नाम पर बंदोबस्त कयलक अछि।

बृहस्पति यादव पहिनेसँ दरभंगा आबि अपन खतियानक खोज कऽ चुकल छलथि। ओ कहलनि जे पहिने कार्यालयक आसपास रहनिहार दलाल लोकनि ओकरासँ मोट राशिक माँग करैत छल, जखन ओ कार्यालयक लोकसँ सम्पर्क कयलक तखन ओकरा कहल गेल जे ओकर एतय कोनो खतियान नहि अछि। एकरा बाद ओ चलि गेल। सीओक कारवाईक बाद ओ दरभंगा आबि एहि घटनाकेँ अंजाम देलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *