देश-दुनिया

डोमिनिका सरकार पीएम मोदीकेँ अपन सर्वोच्च नागरिक सम्मानसँ करत सम्मानित

नई दिल्ली
*

डोमिनिकाक सरकार भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीकेँ अपन सर्वोच्च नागरिक सम्मानसँ सम्मानित करबाक निर्णय लेलक अछि। डोमिनिका सरकार एकटा प्रेस विज्ञप्तिमे कहलक जे प्रधानमंत्री मोदीकेँ गुयानामे आयोजित होबयवला आगामी भारत-कैरिकोम शिखर सम्मेलनक दौरान ई सम्मान देल जायत।

डोमिनिका सरकारक एकटा वक्तव्यमे कहल गेल अछि जे डोमिनिकाक राष्ट्रपति सिलवेनी बर्टन एहि सम्मानसँ प्रधानमंत्री मोदीकेँ सम्मानित करत। फरवरी २०२१मे प्रधानमंत्री मोदी डोमिनिकाकेँ कोरोना वैक्सीन एस्ट्राजेनेका टीकाक ७०,००० खुराक पहुँचेने छलथि। प्रधानमंत्री मोदीक एहि उदारताकेँ पहचानैत डोमिनिका सरकार हुनका अपन सर्वोच्च नागरिक सम्मानसँ सम्मानित करबाक निर्णय लेलक अछि। संगहि, पीएम मोदीक नेतृत्वमे भारत डोमिनिकाकेँ स्वास्थ्य, शिक्षा आ आईटीक क्षेत्रमे बहुत सहायता कयलक अछि।भारत द्वारा डोमिनिकामे जलवायु परिवर्तनक मुकाबला करबाक दिशामे सेहो सहायता कयल जा रहल अछि।

डोमिनिकाक प्रधानमन्त्री रूजवेल्ट स्कर्मिट प्रधानमंत्री मोदीकेँ अपन देशक “सच्चा मित्र” बतौलनि जे वैश्विक स्वास्थ्य सङ्कटक अवधिमे डोमिनिकाक लोकक सहायता कयलनि। इंडिया केरीकोम सम्मेलन १९ नवम्बर सँ २१ नवम्बर २०२४क बीच गुयानाक जॉर्जटाउनमे आयोजित होयत।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकेँ कतेको देश द्वारा अपन सर्वोच्च नागरिक सम्मानसँ सम्मानित कयल गेल अछि। जुलाईमे रूसक राष्ट्रपति व्लादिमीर पुतिन प्रधानमंत्री मोदीकेँ हुनक देशक सर्वोच्च नागरिक सम्मान ‘ऑर्डर ऑफ सेंट एंड्रयू द एपोस्टल’सँ सम्मानित कयलनि। ओहिसँ पहिने, पीएम मोदीकेँ भूटानक सर्वोच्च नागरिक सम्मान ऑर्डर ऑफ द ड्रुक ग्याल्पोसँ सम्मानित कयल गेल छल। ई पहिल बेर अछि जखन भूटान कोनो गैर-भूटानी व्यक्तिकेँ ई सम्मान देलक अछि। प्रधानमंत्री मोदीकेँ संयुक्त अरब अमीरात, अफगानिस्तान, बहरीन आ सऊदी अरब, फ्रांस, मिस्र, फिजी, पापुआ न्यू गिनी, पलाऊ, अमेरिका, मालदीव आ फलस्तीनक सेहो शीर्ष नागरिक पुरस्कार भेटि चुकल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *