उत्तर प्रदेश सरकार देश-विदेशसँ आबय वाला भक्तकेँ महाकुंभक नव्यता, दिव्यता आ भव्यताक एहसास कराबय केर तैयारी कऽ रहल अछि। संगहि विश्वक प्रतिष्ठित लोक सेहो महाकुम्भमे शामिल होबय आ मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथसँ भेंट करय लेल उत्सुक छथि। महाकुम्भमे पहिल बेर इजरायल, अमेरिका आ फ्रांस सहित सभ देशक दिग्गज गंगा आरतीमे शामिल होयबाक तैयारी कऽ रहल छथि। हुनका संग सेनाक जवान सेहो रहताह।
हरिहर गंगा आरती समिति रामघाट प्रयागराजक अध्यक्ष सुरेश चन्द्रा कहलनि जे काशीक तर्ज पर वर्ष १९९७ मे प्रयागराजमे गंगा आरती शुरू भेल छल। तहियासँ ई क्रम निर्बाध रूपसँ जारी अछि। एकर तहत महाकुंभक दौरान मुख्यमंत्री योगीक संग देशक कोना-कोनासँ आबय वाला विशिष्ट संतकेँ सम्मानित करबाक योजना बनाओल गेल अछि। महाकुम्भक भव्य आयोजनमे भारतक सभ प्रमुख तीर्थस्थलक सन्तलोकनिक एक सङ्ग रहब अविस्मरणीय होयत।
जनतब जे दुनियाक शक्तिशाली देशक जनताक बीच भारतक सबसँ पैघ राज्य यूपीक मुखिया योगी आदित्यनाथक प्रति क्रेज लगातार बढ़ि रहल अछि। एकर अंदाजा एहि बातसँ लगाओल जा सकैत अछि जे भारतक सैनिकक संग इजरायल, अमेरिका, फ्रांस, वियतनाम, इटली, कनाडा आ म्यांमारक जानल-मानल लोक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथसँ भेंट करबाक लेल भारत आबि रहल छथि। ओ कहलनि जे ई सभ विदेशी अतिथि एतय प्रसिद्ध गंगा आरतीमे भाग लेताह। हुनका सङ्ग भारतीय सेनाक वरिष्ठ अधिकारी सेहो रहताह। ई सभ हरिहर गंगा आरती समितिक अतिथि होयताह।
अयोध्याक प्रसिद्ध संत लोकनि सेहो महाकुम्भकेँ यादगार बनेबाक लेल गाछ रोपताह। राम वैदेही मन्दिरक प्रधान साधु स्वामी दिलीप दास त्यागी कहलनि जे अयोध्याक संत लोकनि पर्यावरण स्वच्छ रखबाक लेल एक लाख एगारह हजार पौधा रोपबाक संकल्प लेने छथि, जकरा महाकुम्भक दौरान अन्तिम रूप देल जाएत। स्वामी दिलीप दास जी केर संग अयोध्याक आर कतेक प्रमुख संत महाकुंभकेँ अविस्मरणीय बनाबय केर तैयारीमे छथि।