स्वास्थ्य

मिथिलावादी पार्टी आ मिथिला स्टूडेंट यूनियनक कार्यकर्ताक अनुमंडलीय अस्पताल पर आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन

बेनीपुर समदिया
*

मिथिलावादी पार्टी आ मिथिला स्टूडेंट यूनियनक कार्यकर्ता सभ मिथिलावादी पार्टीक जिला उपाध्यक्ष रोहित मिश्रक नेतृत्वमे सैकड़ोक संख्यामे अनुमंडलीय अस्पताल बेनीपुर पर आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन कयलन्हि । ओकर उपरांत ओ आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन धरनास्थल पर आबिकय धरनामे तब्दील भऽ गेल ।

धरनास्थल पर उपस्थित कार्यकर्ता आ आमजनकेँ संबोधित करैत जिला पार्षद सागर नवदिया कहलनि जे अनुमंडल क्षेत्रक लाखो आबादी अनुमंडलीय अस्पताल पर निर्भर अछि मुदा अस्पताल प्रशासन द्वारा इलाजक नाम पर खानापूर्ति कयल जा रहल अछि। स्वास्थ्य व्यवस्थाक बदहाल स्थिति अछि। समय पर चिकित्सक अस्पताल नहि आबैत छथि । अस्पतालमे जरुरीयात दवाई उपलब्ध नहि रहैत अछि । अल्ट्रासाउंड आ प्लास्टरक समुचित व्यवस्था नहि अछि । ब्लड बैंकक रहितो ब्लड उपलब्ध नहि भऽ पाबैत अछि । स्थानीय विधायक प्रति मास निरीक्षणमे पहुंचैत छथि मुदा आइधरि अस्पतालक व्यवस्थामे कोनो परिवर्तन होइत नहि देखल जा रहल अछि ।

ओ आगू कहलनि, पछिला मासक अंतिम सप्ताहमे सिविल सर्जन अस्पतालक औचक निरीक्षण कयने छलाह। निरीक्षणक दौरान दर्जनोसँ बेसी चिकित्सक आ चिकित्साकर्मी अनुपस्थित पाओल गेल छलाह। सिविल सर्जन अनुपस्थित चिकित्सक सभसँ स्पष्टीकरण पूछबाक निर्देश सेहो देने छलाह। अनुमंडल अस्पतालक इर्द-गिर्द दर्जनो भरि फर्जी नर्सिंग होम आ फर्जी जांच घर संचालित अछि। कतेको बेर एहि अवैध नर्सिंग होम आ जांच घर केर बंद करेवाक लेल आवेदन देल गेल मुदा एखनधरि एक्कोगो नर्सिंग होम आ जांच घर पर कारवाई नहि भेल अछि।

मिथिलावादी नेता सभ अपन उद्बोधनक माध्यमे सरकार आ स्वास्थ्य अधिकारी सभसँ बिचौलिया आ स्वास्थ्य माफिया सबहक अस्पताल परिसरमे प्रवेश पर रोक लागय, पकड़ल गेला पर मामिला दर्ज कय गिरफ्तारी होय , ब्लड बैंकक सुचारू रूपसँ संचालन होय , सभ तरहक जांचक सुविधा होय , सामान्य स्थितिमे सेहो मरीज सभकेँ रेफर करबाक परंपरा बंद कयल जाय, ऑपरेशन आ प्लास्टरक सुविधा बहाल होय, अस्पताल परिसरक चारुकात अविलंब चाहरदीवारीक निर्माण होय, रमौली आ महिनाम एपीएचसी पर स्वास्थ्य सुविधा बहाल होय, अस्पताल परिसरक १०० मीटरक दायरामे चलि रहल निजी दवाई दोकान सभ अविलंब बंद होय, अस्पतालमे रोस्टरक हिसाबे चिकित्सक सभ उपस्थित रहय आ अस्पताल प्रबंधन द्वारा मरीज सबहक संग दुर्व्यवहार नहिं कयल जाय आदि केर मांग कऽ रहल छलाह ।

जिलाध्यक्ष अमित ठाकुर कहलन्हि जे जौं हमरालोकनिक माँग पर सकारात्मक पहल आ बदलाव अस्पतालमे नहि देखल जायत तऽ आगामी दिनमे फेरसँ व्यापक तौर पर आंदोलन आ आमरण अनशनक माध्यमसँ ‘करो या मरो’ केर नारा देल जायत ।

धरना प्रदर्शनक अध्यक्षता पार्टीक जिलाध्यक्ष सह जिला पार्षद अमित ठाकुर , संचालन एमएसयू बेनीपुर प्रखंड अध्यक्ष गौतम झा आ धन्यवाद ज्ञापन जिला पार्षद धीरज कुमार झा कयलन्हि । मिथिलावादी नेता रजनीश प्रियदर्शी , प्रखंड अध्यक्ष गौतम झा , पूर्व प्रखंड अध्यक्ष कृष्णानंद मिश्र , हर्ष मिश्र , नगर अध्यक्ष संतोष साहू , मिथिलावादी पार्टीक जिला प्रभारी संजय झा , झमेली राम , प्रखंड कोषाध्यक्ष दीपक डायना , संगठन मंत्री घनश्याम ठाकुर , बिलाश यादव , प्रशांत मिश्र , इफ्तेखार उर्फ गुड्डू , पप्पू मिश्र , मनमोहन मिश्रा, सद्दाम खान, घनश्याम ठाकुर , राधेश्याम शर्मा , रंजीत मिश्र , लाल सिंह सहित सैकड़ों लोक ओहिठाम उपस्थित छलाह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *