सशस्त्र सीमा बल एसएसबी ४८म बटालियन जयनगर स्थित भारत-नेपाल सीमा पर बीओपी बेटौन्हा चेक पोस्ट लग अवैध प्रवेशक आरोपमे चारि गोटेकेँ गिरफ्तार कएलक अछि। एसएसबीक जवानक नेतृत्व एएसआई (जीडी) जयेन्द्र सिंह कयने छलाह। भारतसँ नेपाल जा रहल दूटा विदेशी नागरिक आ हुनका सङ्ग दूटा भारतीय नागरिककेँ बीपी लग रोकल गेल। जे भारतीय क्षेत्रक लगभग ८०० मीटर भीतर स्थित अछि।
अवरोधित लोकक पहिचान ६४ वर्षीय क्रेग एलन मूर (वुडलैंड, कैलिफोर्निया, यूएसए), ५२ वर्षीय मुन्नी साह (वुडलैंड, कैलिफोर्निया, यूएसए), सोनू कुमार गुप्ता जयनगर, राम हृदय सिंह, सिंगराही जयनगरक रूपमे भेल अछि। एसएसबी, आईबी आ राज्य पुलिसक एकटा संयुक्त टीम हुनकासँ पूछताछ कऽ रहल अछि।
एहि दरम्यान पता चलल जे क्रेग एलन मूर आ मुन्नी साह ३० अक्टूबर २०२४ केँ काठमांडू नेपाल पहुँचलाह। ४ नवम्बर २०२४केँ सोनू कुमार गुप्ताक सङ्ग ई दुनू व्यक्ति नेपालसँ अनाधिकृत रूपसँ भारतमे प्रवेश कयलनि। पिछला चारि दिनसँ अईठाम रहि रहल छलथि। कहल जाइत अछि जे हुनकर उद्देश्य भारतमे अपन रिश्तेदारसँ भेंट करब आ छठि पूजामे भाग लेनाइ अछि।
पूछताछक क्रममे ओ लोकनि कहलनि जे हुनका लग नेपालक लेल वैध वीजा अछि। मुदा भारतमे अनधिकृत प्रवेशक कारण भारतक आप्रवासन नियमक उल्लङ्घन भेल अछि। एसएसबी चारि गोटेकेँ चिकित्सा जाँच कयलक आ आगू जाँचक लेल जयनगर थानाक पुलिसकेँ सौंपि देलक। मामिलाक जांच चलि रहल अछि। जरूरत पड़ला पर आगूक कारवाई कएल जाएत। ४८म कोर सशस्त्र सीमा बलक कार्यवाहक कमांडेंट हरेन्द्र सिंह सीमावर्ती नागरिकसभसँ सीमा पार करबाक लेल मात्र अधिकृत मार्गक उपयोग करबाक अपील कयलनि अछि।