जदयूक कार्यकारी राष्ट्रीय अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद संजय कुमार झा शुक्रदिन बहादुरपुर आ हनुमाननगर प्रखंडक कतेको गाममे जनसंपर्कक संचालन करैत 13 नवंबरकेँ दरभंगा एम्सक शिलान्यास कार्यक्रमकेँ ऐतिहासिक बनाबय लेल कहलनि। ओ कहलनि जे दरभंगा एम्स मिथिला लेल ऐतिहासिक सौगात अछि। एकर आधारशिला रखबाक संबंधमे दरभंगामे होबय वला प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक जनसभामे बेसीसँ बेसी लोक पहुँचू आ हुनका धन्यवाद दियौन।
संजय कुमार झा बहादुरपुर प्रखंडक खराजपुर, ओझौल आ हनुमाननगरक गाम मुस्तफापुर, गोढ़ियारी, बघला कमलपुर, हरिचंदा आ पंचोभ सहित कतेको गाममे लोककेँ सम्बोधित कयलनि। एहि अवसर पर मंत्री मदन सहनी आ जदयू जिला अध्यक्ष गोपाल मंडल सेहो संग छलाह। संजय कुमार झा कहलनि जे मिथिला लेल १३ नवम्बर एकटा पैघ दिन होएत। जखनि प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी मिथिलाक केन्द्र दरभंगामे बिहारक दोसर एम्स निर्माणक आधारशिला रखताह। बिहार आ बिहारवासिक प्रति प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक ई विशेष लगाव अछि। ओ बिहारकेँ दोसर एम्स देबाक निर्णय लेलनि।. बिहारक पहिल एम्स पटनामे काज कऽ रहल अछि।
संजय झा कहलनि, जखनि बिहारक लेल दोसर एम्सक घोषणा भेल छल, तखनि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार निर्णय लेलनि जे एकरा कोन शहरमे बनाओल जायत आ एकरा लेल विभिन्न अन्य सुविधा राज्य सरकारकेँ उपलब्ध कराबय पड़त। एम्स निर्माणक माँग बिहारक कतेको शहरसँ आबि रहल छल, मुदा मुख्यमंत्री निर्णय लेलनि जे पीएमसीएच, पटनाक बाद बिहारक दोसर सबसँ पुरान मेडिकल कॉलेज डीएमसीएच, दरभंगा अछि। एहि लेल दोसर एम्स दरभंगामे बनत। संजय कुमार झा कहलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पछिला साल अपन “समाधान यात्रा” क दौरान दरभंगा एम्सक लेल शोभन-एकमी बाईपास लग चिन्हित जमीन पर जा कए एकर समीक्षा करलथि आ मंजूरी देलनि। भूमि अधिग्रहण आ अन्य कानूनी प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद लगभग १८९ एकड़ जमीन केन्द्र सरकारकेँ उपलब्ध कराओल गेल अछि। मुख्यमंत्री बेर-बेर कहलनि अछि जे राज्य सरकार दरभंगा एम्सक निर्माण स्थल पर चारि लेनक कनेक्टिविटी देत, बिजली आ पानिक व्यवस्था सहित जे सुविधा चाही से राज्य सरकार उपलब्ध कराओत।
झा कहलनि जे दरभंगा एम्सक निर्माणमे आधुनिक तकनीकक प्रयोग होएत। एकर पूरा डिजाइन आई.आई.टी., दिल्लीक विशेषज्ञ द्वारा तैयार कयल गेल अछि। दरभंगा शहरक सीमा पर एम्स बनलाक बाद शहरकेँ नव विस्तार भेटत। एहिसँ नव क्षेत्रक तेजीसँ विकास होयत आ लगपासक क्षेत्रमे रोजगारक नव अवसर उत्पन्न होयत।
झा कहलनि जे मुख्यमंत्रीक निर्देश पर बिहार सरकार डीएमसीएचक पुनर्विकास सेहो कऽ रहल अछि। एकरा लेल कुल २७४२.०४ करोड़क योजनाक तहत २५०० बेडक नव अस्पताल बनाओल जा रहल अछि। एहि तरहेँ दरभंगा शहरमे एम्स आ न्यू डीएमसीएचक रूपमे दूटा सुपर स्पेशियलिटी अस्पतालक निर्माणक बाद ई शहर मात्र उत्तर बिहारक नहिं अपितु नेपालक रोगीसभक लेल उपचारक एकटा प्रमुख केन्द्र बनि जायत।