राजनीति

तेजस्वी यादवक क्राइम बुलेटिन द्वारा भीषण आक्रमण पर भाजपा-जदयू केर बचाव

पटना
*

भाजपा सांसद संजय जायसवाल तेजस्वी यादवक क्राइम बुलेटिन पर बचावमे राजद अध्यक्ष लालू यादवक शासनक याद दियौलनि। ओ कहलनि जे बिहारमे लालू यादव द्वारा कराओल गेल हत्या आ अपहरणक संख्या केकरोसँ छिपल नहि अछि। सबकेँ पता अछि जे जखन लालू यादव सत्तामे छलाह तखन बिहार आ कानून व्यवस्थाक की हाल छल।

राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केर नेता आ बिहारमे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव राज्यमे कानून व्यवस्थाक स्थिति पर एक बेर फेर नीतीश सरकार पर निशाना साधलनि अछि। ओ सोशल मीडिया पर एकटा पोस्ट साझा कऽ ११० अपराधक सूची जारी कयलनि अछि आ सरकारकेँ भयंकर निशाना बनौलनि अछि। ओ कहलनि “बिहारमे अपराधी सभक दिवाली आ कानून-व्यवस्था दिवाला अछि।”

तेजस्वी यादव अपन ट्वीटमे बिहारक कतेको घटनाक उल्लेख कयने छथि, जकर शीर्षकमे ओ लिखने छथि, ‘खबरदार खबरनवीसों ! जँ कियो एकरा जालिम राज, जंगल राज आ दैत्यराज कहलौंह तऽ ? ई विशेषाधिकार तऽ एहि राजक संरक्षकसभ आ प्रधानमंत्रीक अछि। पिछला किछु दिनमे रुहकेँ कंपकंपाबयवाला मुख्य हत्यासभक लेखा-जोखा।’

पुनः भाजपा आ जेडीयू एहि पर बचावमे पलटवार कयलक अछि। भाजपा बिहार प्रदेश अध्यक्ष दिलीप जायसवाल तेजस्वी पर हमला करैत एकरा विपक्षक स्टंट बतौलनि अछि। ओ कहैत छथि जे, “एहिमे किछु नव नहिं अछि, ई विपक्षक स्टंट अछि। ई लोकसभ मात्र टांग खींचबाक बात करैत छथि, मुदा बिहारक विकास कोना करब आ एहिठामक लोककेँ कोना आगू बढ़बाक चाही एहि पर हुनका लग किछु कहबाक नहि अछि। जायसवाल कहलनि कि एनडीए सरकारमे बिहारमे अपराधीक खिलाफ कारवाई होइत अछि, दोषी केर सजा भेटैत अछि। जँ कियो अपराध करैत अछि तखन ओ भागि नहिं सकैत अछि।”

संगहि भाजपा सांसद संजय जायसवाल तेजस्वीक क्राइम बुलेटिन पर राजद अध्यक्ष लालू यादवक शासनक याद दिऔलनि। ओ कहलनि जे, “बिहारमे लालू यादव द्वारा कराओल गेल हत्या आ अपहरणक संख्या केकरोसँ छिपल नहिं अछि। सबकेँ पता अछि जे जखनि लालू यादव सत्तामे छलाह तखनि बिहार आ कानून व्यवस्थाक की हाल छल। अपराध अपन चरम पर छल, अपराधी सभ कानूनसँ नहि डरैत छल।”

ओ कहलनि जे, “जँ आइ बिहारमे कोनो अपराध होइत अछि तऽ निश्चित रूपसँ ओहि पर कारवाई कयल जाइत अछि। संजय जायसवाल कहलनि जे एहेन नहि अछि जे एतय कोनो अपराध नहि होइत अछि, मुदा आब अपराधी सभकेँ सजा भेटैत अछि आ ओकर खिलाफ कारवाई कयल जाइत अछि। आब सरकार कोनो अपराधीक रक्षा नहिं करैत अछि। ओ कहलनि जे ई राजद सरकार नहि अछि जे पहिने केकरो अपहरण कएल जायत आ फेर मुख्यमंत्री निवाससँ फोन कयल जायत जे एफआईआर दर्ज नहिं कयल जाय, अपराधी सभक संग बातचीत चलि रहल अछि।”

ओतहि बिहार सरकारक मंत्री आ जदयू नेता विजय चौधरी सेहो तेजस्वीक बयान पर प्रतिक्रिया देलनि अछि। ओ कहलनि “कोन सरकार आ कोन नेता अपराधी पर अंकुश लगाबय आ ओकरा पर लगाम लगाबय केर काज कयलक, बिहारक जनता सब किछु जनैत अछि। ओ कहलनि जे केकर शासनमे की होइत छल आ की भऽ रहल अछि से सबकेँ पता अछि।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *