सुरक्षा

दिन-राति भेटि रहल धमकी, घरक रेकी करय वाला सेहो देखल गेल : पप्पू यादव

पूर्णियां
*

पूर्णियाक निर्दलीय सांसद पप्पू यादवकेँ लॉरेंस बिश्नोई गिरोहक कोनो सदस्य नहि अपितु दिल्लीक निवासी महेश पाण्डेय नामक व्यक्ति धमकी देलक। ई फोन कॉल महेश दुबईसँ नहिं अपितु दिल्लीक एकटा कोठरीसँ कयलक। पूरा मामिलाक खुलासा करैत पूर्णियाक एसपी कार्तिकेय शर्मा स्वयं एहि बातक जानकारी देलनि। संगहि सांसद पप्पू यादव आब एहि पूरा मामिला पर अपन निधोख प्रतिक्रिया देलनि अछि। सांसद पप्पू यादव कहलनि जे हम बेर-बेर उल्लेख करैत आबि रहल छी जे हमर देशक कानून मजबूत आ सक्षम अछि। कियो कानून आ संविधानसँ ऊपर नहिं अछि। हम नहि जनैत छी जे केकरा गिरफ्तार कएल गेल। ओकर कोन सम्बन्ध अछि आ ओ कोन गिरोहसँ जुड़ल अछि। हम बस एतबहि बताबय चाहैत छी जे ई कोन लोक अछि जे १४ तारीखक बाद लगातार जेलक भीतरसँ हुनका अलग-अलग नम्बरसँ फोन कयलक। हमरा फोनसँ के गप्प कएलक ? हम हुनक कयल गेल कॉलक कतेको वीडियो पठौलहुँ। जतय वीडियो नहि कएल जाए सकल, नंबर भेजल गेल। ओ फोन कय कहैत अछि जे अहाँ अपना रास्तासँ हटि जाउ।

पप्पू यादव आगू कहलखिन जे जाहि दिन झारखण्डमे हमर बैसार भेल छल। पतरातुक एकटा क्रिमिनल गैंग अमन साहू आ ओकर राइट हैंड जे अपना आपकेँ छोटा राजनक खास कहैत अछि। ओकर नाम मयंक अछि आ आब ओ मलेशियामे रहैत अछि। लगातार कतेको बेर राति एक बजे तक ओकर धमकी आबैत अछि। ओ फोन कॉल पर सेहो वैह बात कहैत अछि जे अहाँ अपन रास्तासँ हटि जाउ। तखन कतेको संदेश अबैत अछि। जाहिमे परिवार आ परिचितसभकेँ धमकी देल जाइत अछि आ काल्हि राति ११.३० बजे हमर गाम खुर्दामे एकटा संदिग्ध देखल जाइत अछि। ओ राति १२ बजे धरि रहैत छथि। ओ घरक रेकी करैत अछि आ फेर किछु समयक बाद चलि जाइत अछि। आइयो हमर कतेको मित्रकेँ फोन चैटक माध्यमसँ धमकी देल गेल अछि जे अहाँकेँ ई रास्ता छोड़ि देबाक चाही नहि तँ हम अहाँकेँ समाप्त कऽ देब।

पप्पू यादव कहलनि जे हम पूर्णियाक एसपी आ बिहार प्रशासनकेँ धन्यवाद देब, ओ सब एहि मामिलामे तत्परता देखौलनि। ओ नहि जनैत छथि जे पकड़ल गेल के अछि। की ओ पागल अछि वा किछु नुका रहल अछि ? मलेशिया वा कनाडासँ सारिक सिमसँ फोन करब आश्चर्यजनक अछि। हम एकरा नहिं मानैत छी। बस मात्र कोनो एक गोटे तऽ धमकी देलक नहिं अछि, धमकीक सिलसिला १४ अक्टूबरसँ एखनि धरि जारी अछि। सरकारक ई जिम्मेदारी अछि जे एहेन लोक सभकेँ गिरफ्तार करय आ आम लोकक सुरक्षा होय।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *