बिहारमे चारिटा विधानसभा क्षेत्रक उपचुनावक प्रचार जोर-शोरसँ चलि रहल अछि। एम्हर जन सुराज पार्टीक संस्थापक आ पार्टीक स्टार प्रचारक प्रशांत किशोर शनिदिन केन्द्रीय मंत्री आ हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा (हम) प्रमुख जीतन राम मांझीकेँ “पलटू” बताबैत कहलनि जे हुनका स्वयं सेहो पता नहि होएत जे ओ कहिया पलटी मारि राजदमे शामिल भऽ जयताह।
जन सुराज उम्मीदवार जितेन्द्र पासवानक समर्थनमे इमामगंज निर्वाचन क्षेत्रमे जनसभाकेँ संबोधित करैत किशोर कहलखिन कि बिहारमे मात्र दूटा दल अछि – एकटा लालू यादवक राजद आ दोसर नरेंद्र मोदीक भाजपा।
ओ कहलनि जे जदयू केर नीतीश कुमार आ हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चाक नेता जीतन राम माँझीकेँ स्वयं सेहो पता नहि अछि जे ओ कखन पलटि लालटेन पकड़ि लेताह आ कखनि कूदि कमल पर बैसि जयताह।
ओ कहलनि, पहिने जनता कहैत छलाह जे हमरा लग विकल्पक कमी अछि। मुदा, आब ओ स्थिति नहिं अछि।आब जनता लग जन सूराजक विकल्प अछि, जिनकर सोच समाजक नीक लोककेँ राजनीतिसँ जोड़ब आ लोकक शासन स्थापित करब अछि।
ओ आगू कहलनि जे उपचुनावमे जनताकेँ संकल्प लेबय पड़त जे ओ अपन बच्चाक भविष्य, अपन शिक्षा आ रोजगारक लेल वोट देताह अथवा माँझी वा कोनो आन नेताक बच्चाकेँ राजा बनाबय लेल ?
प्रशांत किशोर लोकसभकेँ आश्वासन देलनि जे अगिला साल २०२५ केर छठिक बाद अहाँक बच्चा, पति आ अहाँक भायकेँ अपन घर आ परिवार छोड़ि मजदूरक रूपमे काज करबाक लेल आन राज्य नहि जाय पड़त। जन सुराज इ सुनिश्चित करत जे बिहारक युवाकेँ बिहारेमे १०-१२ हजार रुपयाक रोजगार भेटय।