शिवसेनाक राज्यसभा सांसद आ पार्टी प्रवक्ता संजय राउत रविदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ मुंबईक बांद्रा टर्मिनस स्टेशनपर भेल दुर्घटनापर अपन प्रतिक्रिया देलनि।
संजय राउत कहलनि जे जहियासँ प्रधानमंत्री मोदीक सरकार सत्तामे आयल अछि आ अश्विनी वैष्णवकेँ एक बेर फेर रेलवेक जिम्मेदारी देल गेल अछि, पूरा देशमे २५ सँ बेसी पैघ रेल दुर्घटना भेल अछि, जाहिमे सैकड़ो लोकक जान चलि गेल अछि।
ओ आगू कहलनि जे सबसँ बेसी यात्री मुम्बई सन शहरमे प्रवास करैत छथि। मुदा एतय केर स्थिति पर सवाल अछि। ओ बुलेट ट्रेन, मेट्रो आ तेज गति वला ट्रेनक बात करैत छथि, मुदा जमीनी वास्तविकता किछु आओर अछि।
ओ कहलनि जे बांद्रा दुर्घटनामे घायल भेल यात्रीसभक लेल के जिम्मेदार अछि ? चाहे रेलवेक बात करी वा बीएमसी केर, मुंबई सबसँ बेसी राजस्व दैत अछि। मुदा मुम्बईये केर लूटबाक काज चलि रहल अछि।
जनतब जे रविदिन भोर लगभग तीन बजे मुम्बईक बांद्रा टर्मिनस स्टेशनपर एकटा पैघ दुर्घटना भेल। वास्तवमे, यात्रीसभक भीड़क कारण मुम्बईक बांद्रा टर्मिनस स्टेशनक प्लेटफार्म नम्बर एक पर भगदड़ मचि गेल छल। जाहिमे कतेको यात्री घायल भए गेल।
साप्ताहिक बांद्रा-गोरखपुर एक्सप्रेस ट्रेनकेँ सेहो फेरसँ निर्धारित करय पड़ल। इ ट्रेन भोरमे ५:१० बजे निकलय वाला छल। मुदा पुनर्निर्धारित समयक बाद रविदिन भोरमे ट्रेन प्लेटफार्म पर देरीसँ पहुँचल।
दुर्घटनाक संबंधमे कहल गेल जे रेलवे स्टेशनक प्लेटफार्म पर भीड़ बहुत बेसी छल, जकरा ओतय उपस्थित पुलिसकर्मी काबू नहि कऽ सकल आ दुर्घटना भऽ गेल।