गुलमर्गमे सेनाक काफिलापर आतंकवादीसभ द्वारा हमला कयलाक बाद सुरक्षा बल शुक्रदिन जम्मू-कश्मीरक गुलमर्ग सेक्टरमे नियंत्रण रेखा (एलओसी) पर व्यापक तलाशी अभियान शुरू कयलक। खोज अभियानक लेल ड्रोन आ हेलीकॉप्टर तैनात कयल गेल।
जम्मू-कश्मीरक गुलमर्ग सेक्टरमे सेनाक काफिला पर हमलाक बारेमे एकटा पैघ खुलासा भेल अछि। एकटा वरिष्ठ पुलिस अधिकारीक अनुसार, तीनसँ चारिटा आतंकवादी काफिला पर हमला कयलक। एहिमे दूटा सैनिक सहित चारि गोटे मारल गेल।
पुलिस अधिकारी कहलनि जे आतंकी हमलाक बाद दोसर दिन धरि तलाशी अभियान जारी रहल। आतंकवादी हमलाक बाद शुक्रदिन साँझक बाद तलाशी अभियान रोकि देल गेल। शनि दिन भोरमे खोज फेरसँ शुरू भेल।
मीडियासँ बातचीत करैत बारामूलाक वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक (एसएसपी) मोहम्मद जैद मलिक कहलनि जे घटनास्थल पर एकत्रित साक्ष्यसँ पता चलैत अछि जे आतंकी हमलामे ३-४ आतंकवादी शामिल छल।
ओ कहलनि जे सेना, पुलिस आ अर्धसैनिक बल आतंकवादीक पता लगाबय लेल अभियान चला रहल अछि। बाबा रेशी आ गुलमर्गक वन क्षेत्रक सङ्ग-सङ्ग लगपासक अन्य क्षेत्रमे व्यापक तलाशी अभियान चलायल जा रहल अछि।
बारामूलाक वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक (एसएसपी) मोहम्मद जैद मलिक कहलनि जे हमलासँ पहिने बारामूला जिलाक पट्टन-क्रीरी क्षेत्रमे सुरक्षा बल द्वारा कतेको तलाशी अभियान चलायल गेल छल।
मुदा बृहस्पतिकेँ आतंकवादी हमला कयलक। एहिमे दूटा सैनिक आ सेनाक दूटा सहयोगी मारल गेल, जखन कि एकटा आओर सहयोगी आ एकटा सैनिक बुरी तरह घायल भऽ गेल।
गुलमर्गसँ ६ किलोमीटर दूर बोटा पथरी क्षेत्रक अफरावत रेंजमे नागिन चौकी दिस जा रहल सेनाक एकटा वाहन पर आतंकवादी गोलीबारी शुरू कऽ देलक। हमलाक बाद सुरक्षा बल शुक्रदिन गुलमर्ग सेक्टरमे नियंत्रण रेखा (एलओसी) पर व्यापक तलाशी अभियान शुरू कयलक। खोज अभियानक लेल ड्रोन आ हेलीकॉप्टर तैनात कयल गेल अछि।
अधिकारी लोकनि कहलनि जे सुरक्षा बल द्वारा हमलाक लेल जिम्मेदार आतङ्कवादीक पता लगाबय आ तलाशी लेबाक लेल मानवीय पहलूक सङ्ग-सङ्ग तकनीकी खुफिया सूचनाक उपयोग कयल जा रहल अछि।
खोज अभियानक देखरेख सेना आ पुलिसक वरिष्ठ अधिकारी द्वारा कयल जा रहल अछि। सेना एहि क्षेत्र पर पूरा नियंत्रण कऽ लेलक अछि। हालहिमे गर्मीक आरम्भमे अफरावत रेंजक ऊँच क्षेत्रमे आतंकवादी समूह द्वारा घुसपैठक समाचार भेटल छल।