सुरक्षा

दिवाली पर ऑनलाइन शॉपिंग स्कैमसँ बचबाक लेल सरकार जारी कयलक एडवाइजरी

नई दिल्ली
*

एहि बेर भारतमे ३१ अक्टूबरकेँ दिवाली मनाओल जायत। दिवालीसँ पहिने कतेको लोक अपन मित्र आ संबंधीक लेल ऑनलाइन खरीदारी शुरू कऽ देने छथि। एहिसँ स्कैम करनिहार ऑनलाइन धोखाधड़ीक लेल सेहो सक्रिय भऽ गेल अछि। भारतीय कम्प्यूटर इमरजेंसी रिस्पांस टीम (सीईआरटी-इन) द्वारा नागरिकसभकेँ एहेन स्कैमसँ सुरक्षित रहबाक लेल परामर्श जारी कयल गेल अछि।

सरकार ऑनलाइन खरीदारी घोटालासँ बचबाक लेल किछु सुझाव सेहो साझा कयलक अछि। भारतीय कम्प्यूटर इमरजेंसी रिस्पांस टीम कहलक अछि जे एहेन घोटालासँ बचबाक लेल कॉल करबासँ पहिने फोन करयवलाक पहिचान जाँचब जरूरी अछि। कोनो अज्ञात व्यक्तिसँ वीडियो कॉल लेबासँ बचू आ कॉल पर मात्र ककरो द्वारा पैसा हस्तांतरित करबासँ बचू । ध्यान राखू जे सरकारी एजेंसी कहियो कोनो आधिकारिक काजक लेल व्हाट्सएप आ स्काइप सन प्लेटफार्मक उपयोग नहि करैत अछि।

सीईआरटी-इन द्वारा जारी परामर्शक अनुसार, घोटालाकर्ता सोशल इंजीनियरिंगक माध्यमसँ विक्टिमकेँ डरयबाक प्रयास करैत अछि। एहेन स्थितिमे जल्दबाजीमे कोनो तरहक निर्णय लेबयसँ बचू । संगहि, कोनो अज्ञात फोन करयवलाक सङ्ग अपन व्यक्तिगत आ वित्तीय विवरण साझा करबासँ बचू । फोन पर प्राप्त ओटीपीक जानकारी फोन करयवलाकेँ देबासँ बचू । कोनो संदिग्ध गतिविधिकेँ अनदेखा करबाक बदला एकर रिपोर्ट करू। जँ अहाँ घोटालाक शिकार भऽ जाइत छी तँ तत्काल बैंक आ साइबर अपराध विभागकेँ सूचित करू।

मेल पर कोनो अज्ञात ईमेल पतासँ संलग्नक आ फाइलकेँ क्लिक आ डाउनलोड करबासँ बचू । संगहि केकरो कहला पर फोनमे कोनो तरहक ऐप डाउनलोड नहि करू। जँ अहाँ फोनमे कोनो एप डाउनलोड कऽ रहल छी तखन प्ले स्टोर सन आधिकारिक प्लेटफार्मक उपयोग करू।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *