रोजगार

नीतीश कुमार १२३९ अवर निरीक्षक (दारोगा) केर देलनि नियुक्ति पत्र

पटना
*

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक एकटा वीडियो सामने आयल अछि। एहि वीडियोमे ओ अधिकारीसभकेँ विनम्रतासँ आदेश दऽ रहल छथि। अक्सर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार काज करबाबय लेल अधिकारी सभसँ विनम्रतासँ बात करैत देखल गेल छथि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पटनाक बापू सभागारमे १,२३९ पुलिस उपनिरीक्षककेँ नियुक्ति प्रमाणपत्र सौंपि रहल छलाह। एहि दौरान ओतय बैसल डीजीपी आ मुख्य सचिव दिसि इशारा करैत ओ विनम्रता पूर्वक कल जोड़ि हुनका सभसँ आओर अधिक नियुक्ति करयबाक लेल आदेश देलनि।

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन पटनाक गांधी मैदानमे १,२३९ पुलिस उपनिरीक्षककेँ नियुक्ति पत्र वितरित कयलनि। नियुक्ति पत्र बंटवाराक दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अधिकारी सभकेँ आओर अधिक नियुक्तिक लेल कहलनि। एहि लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार गृह सचिव आ डीजीपीकेँ विनम्रता पूर्वक कहलनि जे जल्दिये आओर अधिक नियुक्ति होयबाक चाही।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमकेँ सम्राट अशोक कन्वेंशन सेंटर स्थित बापू सभागारमे आयोजित कार्यक्रममे १२३९ नवनियुक्त दारोगा अर्थात पुलिस उपनिरीक्षककेँ नियुक्ति प्रमाण पत्र सौंपलनि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नवनियुक्त पुलिस उपनिरीक्षक मधु कश्यप, गौतम कुमार, शोभा रानी, लाडली कुमारी, शिवेश कुमार झा, कोमल कुमारी, रीना कुमारी आ रोशनी कुमारीकेँ प्रतीकात्मक रूपसँ नियुक्ति प्रमाण पत्र सौंपलनि। १,२३९ नवनियुक्त पुलिस उपनिरीक्षकमेसँ ४४२ महिलाक चयन कयल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *