दिल्ली सरकार १ जनवरी धरि पटाखाक उत्पादन, भंडारण आ बिक्री पर रोक लगा देलक अछि। ई पत्र दिल्लीक पर्यावरण मंत्री गोपाल राय जारी कयलनि अछि। गोपाल राय सोशल मीडियाक माध्यमसँ ई पत्र पोस्ट करैत लिखलनि जे “जाड़मे बढ़ैत प्रदूषणकेँ देखैत एखनिसँ १ जनवरी धरि पटाखाक उत्पादन, भण्डारण, बिक्री आ उपयोगपर रोक लगा देल गेल अछि। दिल्ली सरकार प्रतिबंधक संबंधमे निर्देश जारी कयलक अछि। सब दिल्लीवासीसँ सहयोगक अनुरोध।”
दिल्ली सरकारक पर्यावरण मंत्री गोपाल राय द्वारा वायु (प्रदूषण निवारण आ नियंत्रण) अधिनियम, १९८१क धारा ३१ (ए)क अन्तर्गत जारी पत्रक अनुसार, राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीमे निर्माण, भंडारण, बिक्री (ऑनलाइन मार्केटिंग प्लेटफार्मक माध्यमसँ वितरण सहित) आ सभ प्रकारक “पटाखा” फोड़बा पर रोक लगाओल जा रहल अछि।
दिल्ली पुलिसकेँ निर्देश लागू करबाक निर्देश देल गेल अछि। दिल्ली सरकार एहि पत्रक एकटा प्रति सभ विभागकेँ आ दिल्लीक उपराज्यपालक कार्यालयकेँ सेहो पठौलक अछि।
जनतब जे वायु प्रदूषण लगातार बढ़ि रहल अछि आ एक्यूआई खतरनाक स्थितिमे पहुँचय लागल अछि। केवल दिल्ली नहि बल्कि नोएडा आ गाजियाबाद सहित लगपासक क्षेत्रमे एक्यूआई खतरक लाल निशान पर पहुँचि गेल अछि। आबयवला समयमे ई प्रदूषण आओर बढ़ि जायत आ एहिसँ आम जनताकेँ सांस लेबामे पर्यंत समस्या शुरू भऽ सकैत अछि।