वित्त-अर्थ

अगिला ५ सालमे भारतमे प्रति व्यक्ति आयमे कमसँ कम २,००० डॉलरक वृद्धि होयत : वित्त मंत्री

नई दिल्ली
*

जेना-जेना देशक अर्थव्यवस्था तेजीसँ बढ़त, अगिला पाँच सालमे प्रति व्यक्ति आयमे कमसँ कम २,००० डॉलरक वृद्धि होयत। ई बयान शुक्रदिन वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण देलनि।
वित्तमंत्री कहलनि जे भारतकेँ प्रति व्यक्ति आय २,७३० अमेरिकी डॉलर धरि बढ़यबामे ७५ साल लागल अछि, मुदा अगिला उछाल तेजीसँ होयबाक आशा अछि। ई देशमे निवेशमे वृद्धि आ सरकार द्वारा नीतिगत सुधारक निरंतरताक कारण अछि।

वित्त मंत्रालय द्वारा परिकल्पित आ आर्थिक विकास संस्थान (आईईजी) द्वारा आयोजित कौटिल्य आर्थिक सम्मेलनकेँ सम्बोधित करैत वित्त मंत्री कहलनि जे देशक डेमोग्राफिक डिविडेंड अछि आ ४३ प्रतिशत जनसंख्या २४ वर्षसँ कम आयुक अछि, जाहिसँ भारतमे खपत तेजीसँ बढ़ि रहल अछि।

हम आन देशक तुलनामे बहुत बढ़िया कए रहल छी। एहिमे विकसित देश सेहो शामिल अछि। वित्त मंत्री आगू कहलनि जे आजुक समयमे ओहि देश सभकेँ अर्थव्यवस्थाकेँ बढ़ायब कठिन भऽ रहल अछि। ओतहि हमर देशक अर्थव्यवस्था तेजीसँ बढ़ि रहल अछि आ दुनियाक सबसँ तेज अर्थव्यवस्था बनल अछि।

नीति आयोगक एकटा दस्तावेजक अनुसार, भारतक अर्थव्यवस्था २०४७ धरि ३० ट्रिलियन डॉलर धरि बढ़ि जायत आ एहि अवधिमे प्रति व्यक्ति आय १८,००० डॉलर होयबाक अनुमान अछि।
भारत जल्दिये दुनियाक तेसर सबसँ पैघ अर्थव्यवस्था बनि सकैत अछि आ २०३२ धरि सकल घरेलू उत्पाद १० ट्रिलियन डॉलर धरि पहुँचबाक आशा अछि। आबयवला वर्षमे भारतक अर्थव्यवस्थामे प्रत्येक डेढ़ सालमे एक ट्रिलियन डॉलरक वृद्धि होयत।
वित्त वर्ष २०२३-२४ मे भारतक सकल घरेलू उत्पाद ८.२ प्रतिशतक दरसँ बढ़ल। २०२४-२५ मे एकर वृद्धि ७.२ प्रतिशतक दरसँ होयबाक अनुमान अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *