बिहारक राजधानी पटनामे गंगा नदी खतराक निशानसँ ऊपर बहि रहल अछि। एकर अतिरिक्त पटना सहित दर्जनों जिलामे बाढ़ि सन स्थिति उत्पन्न भऽ गेल अछि। पटनाक डीएम जिलाक ७६ टा सरकारी स्कूल बंद करबाक आदेश देलनि अछि।
जिलाक कतेको ठाम गंगा नदीक जलस्तर एखनो खतराक निशानकेँ पार कऽ गेल अछि। एम्हर जिला प्रशासन सोमदिन ग्रामीण क्षेत्रक ७६ टा सरकारी स्कूल बंद करबाक निर्णय लेलक अछि। ई ७६ सरकारी स्कूल २६ सितम्बर धरि बंद रहत। पटनाक जिलाधिकारी चन्द्रशेखर सिंह एकटा पत्रमे ई आदेश जारी कयलनि अछि। जारी चिट्ठीक अनुसार “पटना जिलाक आठ प्रखंडक कुल ७६ सरकारी स्कूल २६ सितम्बर तक बंद रहत, किएक तँ गंगा नदी कतेको ठाम खतराक निशानसँ ऊपर बहि रहल अछि। ई निर्णय जिलाक ग्रामीण क्षेत्रमे छात्र आ शिक्षकक सुरक्षाक दृष्टिकोणसँ लेल गेल अछि।”
जिला प्रशासन द्वारा जारी बयानक अनुसार सोमदिन भोर ६ बजे धरि पटनाक गांधी घाट पर गंगा नदी खतराक निशान (४८.६० प्रतिशत) सँ उपर बहि रहल छल।
तहिना गंगा नदी हाथीदह आ दीघा घाटमे खतराक निशान (४१.७६ मीटर आ ५०.४५ मीटर) सँ ऊपर बहि रहल अछि। राज्य आपदा प्रबंधन विभाग (डीएमडी) द्वारा सोमदिन जारी एकटा वक्तव्यक अनुसार, “डीएमडीक अपर मुख्य सचिव (एसीएस) प्रत्यय अमृत आइ १२ जिलाक सम्बन्धित अधिकारीक संग ऑनलाइन समीक्षा बैठक कयलनि आ अपन-अपन जिलाक विभिन्न स्थानपर स्थितिक जायजा लेलनि। एसीएस सम्बन्धित जिलाक अधिकारीसभकेँ सतर्क रहबाक आ जलस्तर बढ़ला पर स्थितिसँ निपटबाक निर्देश देलनि।”
बयानमे कहल गेल, “गंगाक कातमे लगभग १२ जिलामे बाढ़ि सन स्थिति अछि आ निचला क्षेत्रमे रहयवला लगभग १३.५६ लाख लोक बढ़ैत जलस्तरसँ प्रभावित भेल अछि। एहि जिलाक कुल ३७६ ग्राम पंचायत प्रभावित भेल अछि। निचला क्षेत्रसँ पैघ संख्यामे लोककेँ निकालि शिविरमे आनल गेल अछि। १२ प्रभावित जिला बक्सर, भोजपुर, सारण, वैशाली, पटना, समस्तीपुर, बेगूसराय, लखीसराय, मुंगेर, खगड़िया, भागलपुर आ कटिहार अछि।