ई घटना मिथिला क्षेत्रीय बिहारक पूर्णियांक अछि। पुलिस अधिकारी कहलनि कि आरोपी युवककेँ गिरफ्तार कऽ लेल गेल अछि। जखनि पुलिस पहुँचल तखनि हुनक हाथमे दूटा पिस्तौल छल। पुलिस ओकरा लगसँ ६ गोट कारतूस सेहो बरामद कयलक अछि। घटनास्थल पर कारतूसक दूटा खोखा भेटल अछि।
बिहारक पूर्णियामे एकटा युवक बन्दूकक नोकपर अपन पत्नीकेँ बंधक बना लेलक। एहि दौरान ओ कट्टा निकालि कऽ गोली सेहो चलौलक। लड़की अवसर देखि आरोपीक चंगुलसँ भागि गेल आ दोसर कोठरीमे नुका गेल। जखनि पुलिस घटनास्थल पर पहुँचल तखन आरोपी घर पर पेट्रोल छिड़कि देलक आ जराबय केर धमकी देबय लागल। मुदा, पुलिस युवककेँ गिरफ्तार कए लेलक। युवती तीन बेर बिहारक मुख्यमंत्री रहल भोला पासवान शास्त्रीक पुतौहक भतीजी छथि।
पुलिस कहलक जे युवक आ युवतीक अंतरजातीय प्रेम विवाह भेल छल। विवाहक किछु दिनक बाद पति-पत्नीक बीच विवाद भऽ गेल। दुनू लगभग ४ सालसँ अलग-अलग रहैत छलाह। युवक पूछताछमे कहलक अछि जे ओकर परिवारक सदस्य सेहो एहि विवाहसँ नाराज छलाह। हुनकर पिता कहने छलथि जे हुनका हुनकर सम्पत्तिमे कोनो हिस्सा नहिं देताह। पिताक अप्रसन्नताक कारण ओ घर छोड़ि अलग रहय लगलाह। पुलिसक अनुसार दुनूक विवाह कम उम्रमे भऽ गेल छल। लड़की एखनो पढ़य चाहैत अछि आ अलग रहि रहल अछि।
पूर्व मुख्यमंत्रीक पुतौह राजद नेत्री सुशीला भारती अपन परिवारक संग शहरक हाट थाना क्षेत्रक प्रोफेसर कालोनीमे रहैत छथि। हुनक भतीजी शान्ति देवी सेहो ओही परिसरमे रहैत छथि। सोमदिन भोरमे अचानक घरसँ हेल्प-हेल्पक आवाज आबय लागल। एकर बाद पड़ोसी घर दिसि दौड़ल। जहिना ओ घर लग गेल, एकटा युवक घरक भीतरसँ गोलीबारी शुरू कऽ देलक। युवकक पहिचान मनोहर झा (२८) पुत्र रमन झा निवासी बड़हरा कोठी केर रूपमे भेल अछि। सुशीला भारती बतौलनि जे ई युवक १० साल पहिने हुनकर भतीजीकेँ पढ़ाबय लेल हुनक घर अबैत छल। एकर बाद दुनू गोटे प्रेम सम्बन्धमे विवाह कऽ लेलनि। बेटीक इच्छा देखि ओ सभ लड़काकेँ सेहो स्वीकार कऽ लेलनि। मुदा लड़काक माता-पिता लड़कीकेँ रखबासँ मना कऽ देलनि। किएकि ओ सभ अनुसूचित जाति (पासवान) सँ छथि। एकर बाद तखनि हुनके घरमे लड़का रहय लागल छल। भारती बतौलनि जे दुनूक विवाह २०१४ मे भेल छल। २०२१ सँ कुटुंब न्यायालयमे तलाकक मामिला चलि रहल अछि।
पीड़िताक माय शांति देवी कहलनि भोरे जहिना ओ उठलीह आ आँगनमे गेलीह, तऽ युवक दीवार फानि आँगनमे घुसि गेल आ ओकर माथ पर बंदूक राखि देलक। हंगामा सुनि जखनि ओकर बेटी बाहर आयल आ कहलक जे हमर माय की कयलक, जँ अहाँ मारय चाहैत छी तऽ हमरा मारि दिय, जकर बाद ओ गोली चला देलक। मुदा बेटी ओतएसँ भागि गेल। युवक मनोहर झा बतौलनि जे एहि लड़कीक कारण हमर जीवन बर्बाद भऽ गेल। हम अईठाम बस हुनकासँ गप्प करबाक लेल आयल छलहुँ। जँ ओकर हत्या करबाक इरादा रहैत तँ सुतैत काल ओकरा मारि दैतहुँ। युवक कहलक जे ओकरा बस गप्प करय केर छल जे आखिर ओकर की गलती छल, जकर बाद ओ आत्महत्या कऽ लैत। संगहि युवक कहलक जे बहुत रास आन्तरिक मामिला अछि, जकरा ओ नहिं बता सकैत छथि। आब ओ जीवन भरि जेलेमे रहय चाहैत छथि।