बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्रदिन एक बेर फेर स्पष्ट कयलनि जे ओ आब कोनो आन गठबंधनक संग नहिं जयताह, ओ राजगक संग रहताह। ओ कहलनि जे ओ दू बेर गलती कऽ चुकल छथि, आब कहियो एम्हर-ओम्हर नहिं जयताह।
शुक्रदिन इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान (आईजीआईएमएस) मे नवनिर्मित क्षेत्रीय नेत्र संस्थानक उद्घाटनक अवसर पर जनताकेँ संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे जखनि हम २००५ मे आयल छलहुँ तखनि की स्थिति छल।सरकारी अस्पतालमे डॉक्टरक कमी छल। दबाई आ आन सुविधाक कमी छल। प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रसभमे प्रति मास ३९ रोगी अबैत छल, जहिना हम सत्तामे अयलहुँ, २००६ मे अस्पतालसभमे निःशुल्क दवाइ शुरू कयल गेल। आब प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रमे प्रत्येक मास ११००० सँ बेसी रोगी आबि रहल अछि। एहि अवसर पर केन्द्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा सेहो उपस्थित छलाह।
नीतीश कुमार राजद पर निशाना साधैत कहलनि जे पहिने वाला सभ की केलक ? हमरासभ गलती कएलौंह। दू बेर हम हुनका सभकेँ संग लेलौंह। हमर संबंध १९९५ सँ अछि। बीचमे दू बेर एम्हर-ओम्हर भेलौंह, दू बेर गलती भेल। आब कहियो एम्हर-ओम्हर नहिं होएब।
सीएम कहलनि कि आईजीआईएमएस केर स्थापना १९८४ मे भेल छल। शुरूमे काज भेल छल, मुदा बादमे व्यवस्था बहुत बिगड़ि गेल। जखनि हम २००५ मे आयल छलहुँ तखनि देखलहुं जे एतय कोनो काज नहिं कएल जा रहल अछि। एकर बाद पैघ संख्यामे चिकित्सकक नियुक्ति कयल गेल। गुर्दा, हृदय, कैंसरक इलाजक लेल नीक व्यवस्था कयल गेल।
आब क्षेत्रीय नेत्र संस्थानक उद्घाटन भेल अछि। आई.जी.आई.एम.एस.मे जाँच आ दवाई लेल पैसा लागैत छल, आब मुफ्त इलाजक संग दबाई सेहो देल जा रहल अछि। अस्पतालमे बेड केर संख्या सेहो बढ़ा देल गेल अछि। एहि अवसर पर १८८ करोड़ टाकाक लागतसँ बनल क्षेत्रीय नेत्र संस्थान आ ८५० करोड़ टाकाक स्वास्थ्य विभागक विभिन्न परियोजनाक उद्घाटन आ आधारशिला राखल गेल।