बिहारक मंत्री अशोक चौधरी शुक्रकेँ जहानाबादमे भूमिहारसँ खुलि कऽ अपन नाराजगी व्यक्त कयलनि। ओ मंचसँ भूमिहार नेतासभ पर भयंकर प्रहार कयलनि। भूमिहारक समर्थन लोकसभामे जेडीयूक अति पिछड़ा उम्मीदवारकेँ नहिं भेटलाक कारण ओ प्रहार कयलनि अछि। नीतीशक मंत्री कहलनि कि नीतीश कुमार भूमिहार गाममे सड़क बनौलनि मुदा जखन अति पिछड़ाकेँ टिकट देल गेल तखनि भूमिहार हाथ उठा लेलक जे हम समर्थन नहिं करब। संगहि मंत्री भूमिहार नेतासभकेँ विधानसभामे टिकट नहिं देबाक धमकी सेहो देलनि।
अशोक चौधरी जहानाबादमे कहलनि जे, की नीतीश कुमार भूमिहार गाममे सड़क नहिं बनौलनि, मुदा जखनि अति पिछड़ाकेँ टिकट भेटैत अछि तखन भूमिहार भागि जाइत छथि जे हम सबसँ पिछड़ाकेँ वोट नहिं देब, भाई किएक नहिं देब, अभिराम शर्मा आ राजूजीकेँ छोड़ि, हम भूमिहारक कोनो पैघ नेता नहिं देखलौं जे वोट मांगि रहल होय। मंत्री आगू कहलनि कि जे चुनावक समय मद्रास, दिल्लीमे घूमि रहल छलाह हुनका एहि भ्रममे नहिं रहबाक चाही जे ओ नीतीश कुमारक कंधा पर चढ़ि कए एहि बेर विधानसभा पहुंचताह। अहाँक भूमिहार उम्मीदवार चारि बेर नीक रहत, खराब रहत, तखनो अहाँ कहब जे नीक अछि हमर उम्मीदवार, आ हमर उम्मीदवार तीन दिन अहांक दरवाजा पर नहि गेल तखन अहां कहब जे खराब अछि। हम विदेशसँ नहिं आयल छी, भूमिहारकेँ नीक जकाँ जानैत छी, हमर बेटीक बियाह सेहो भूमिहारेसँ भेल अछि।
जनतब जे जहानाबाद लोकसभा सीटकेँ भूमिहार अपन प्रतिष्ठासँ जोड़ि देखैत रहलाह अछि, मुदा पिछला लोकसभा चुनावमे सेहो भूमिहार उम्मीदवारकेँ टिकट नहिं देल गेल छल, जाहि कारण नाराजगी छल। २०१९ केर चुनावमे जेडीयूक उम्मीदवार चंदेश्वर प्रसाद चंदेवंशी कोनो तरहेँ मात्र १७०० मतसँ जीति गेल छलथि। ओतहि एहि बेर इ आशा कयल गेल छल जे जहानाबाद सीटसँ मात्र भूमिहारक उम्मीदवारकेँ टिकट भेटत। जेडीयू उम्मीदवारकेँ लऽ कऽ क्षेत्रमे बहुत नाराजगी सेहो छल, २०२४ केर लोकसभा चुनावमे सेहो अति पिछड़ा जातिसँ आबयवाला चंदेश्वर चंद्रवंशीकेँ फेरसँ टिकट दऽ देल गेल, एहेन स्थितिमे भूमिहार समाज आ स्थानीय भूमिहार नेतासभ चुनावमे साथ नहिं देलक, जाहि कारणसँ जदयू नेताक हारि भेल आ राजद उम्मीदवार सुरेन्द्र यादव ओतयसँ चुनाव जीति गेलाह।