रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह अपन अमेरिकी यात्राक दोसर दिन वाशिंगटन डीसीक पेंटागनमे अमेरिकी रक्षा मंत्री लॉयड ऑस्टिनक सङ्ग द्विपक्षीय बैसार कयलनि। ओ लोकनि द्विपक्षीय रक्षा सहयोग, औद्योगिक सहयोग, क्षेत्रीय सुरक्षा आ अन्य अंतर्राष्ट्रीय मुद्दा पर व्यापक चर्चा कयलनि। ओ भारत-अमेरिका रक्षा औद्योगिक सहयोग रोड मैप पर सेहो प्रकाश देलनि।
दुनू मंत्री भारत आ अमेरिकाक बीच आपूर्ति सुरक्षा समझौता (एसओएसए) होयबा पर प्रसन्नता व्यक्त कयलनि। राजनाथ सिंहक यात्राक पहिल दिन वाशिंगटन डीसीमे भेल एसओएसए समझौताक बारेमे कहल गेल कि, ई दुनू देशक रक्षा औद्योगिक इकाइसभकेँ मिलिकऽ काज करबाक लेल प्रोत्साहित करत। ओ संपर्क अधिकारी सभक तैनाती पर भारत आ अमेरिकाक बीच समझौता ज्ञापन पर हस्ताक्षरक सेहो स्वागत कयलनि। भारत एहि समझौताक अन्तर्गत फ्लोरिडामे मुख्यालय विशेष संचालन कमानमे पहिल संपर्क अधिकारी तैनात करत।
दुनू मंत्री हिन्द-प्रशांत समुद्री क्षेत्र जागरूकता (इंडो-पैसिफिक मैरीटाइम डोमेन अवेयरनेस) लागू करबामे भेल प्रगतिक सराहना कयलनि। अमेरिकी समकक्ष हिन्द महासागर क्षेत्रमे क्वाड भागीदारसभक लेल समुद्री क्षेत्र जागरूकता बढ़यबाक भारतक प्रयासक सराहना कयलनि। ओ संयुक्त समुद्री बल (सीएमएफ) मे चलि रहल भारतीय भागीदारीक स्वागत कयलनि आ कहलनि जे भारत २०२५ मे सीएमएफक संयुक्त टास्क फोर्स १५० मुख्यालयमे भारतीय नौसेनाक जवान तैनात करत।
अमेरिकी रक्षा सचिव ऑस्टिन रक्षा स्टार्ट-अप, उद्योग, शिक्षा आ सरकारक बीच मजबूत नेटवर्क स्थापित करबाक, अत्याधुनिक प्रौद्योगिकीकेँ अपनयबामे तेजी लाबय, आ दुनू पक्षक युद्ध-लड़ाइ क्षमताकेँ बढ़यबाक लेल दुनू देशक प्रशंसा कयलनि। पेंटागनमे बैसारसँ पहिने राजनाथ सिंह आर्लिंग्टन नेशनल सेमेट्रीमे पुष्पांजलि अर्पित कयलनि। रक्षा मंत्री आ अमेरिकी रक्षा सचिव अगिला भारत-अमेरिका२ प्लस २ मंत्रिस्तरीय संवादमे फेरसँ भेंटय केर भरोस जतौलनि।