देश-दुनिया

पीएम मोदीक कीवमे ज़ेलेंस्कीसँ भेंट, यूक्रेनमे शहीद बच्चा सभककेँ देलनि श्रद्धांजलि

नई दिल्ली
*

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ यूक्रेनक राष्ट्रपति वोलोदिमीर ज़ेलेंस्की कीवमे मारल गेल बच्चासभकेँ श्रद्धांजलि देलनि।
एहि अवसर पर दुनू नेता शहीद बच्चासभकेँ श्रद्धांजलि देलनि आ हुनक स्मृतिकेँ नमन कयलनि। एहि अवसर पर दुनू नेता शहीद बच्चाक परिवारक प्रति संवेदना व्यक्त कयलनि। एहिसँ पहिने दुनू नेता एक दोसरासँ भेंट कयलनि। बैसारक दौरान प्रधानमंत्री मोदी आ राष्ट्रपति ज़ेलेंस्की यूक्रेनमे चलि रहल संघर्ष आ ओकर परिणामपर चर्चा कयलनि। राष्ट्रपति ज़ेलेंस्की प्रधानमंत्री मोदीकेँ यूक्रेनक वर्तमान स्थितिक जानकारी देलनि।

शुक्रदिन भोरे, प्रधानमंत्री मोदी कीव पहुँचलाह, जतय प्रवासी भारतीय लोकनि हुनक गर्मजोशीसँ स्वागत कयलनि। पोलैंडसँ रेल फोर्स वन पर १० घंटाक रेल यात्राक बाद कीव पहुँचला पर स्टेशन पर प्रधानमंत्री मोदीक गर्मजोशीसँ स्वागत कयल गेल। एकर बाद ओ हयात होटल चलि गेलाह, जतय भारतीय प्रवासी लोकनि हुनक जोरदार स्वागत कयलनि।
प्रधानमंत्री मोदी सोशल मीडिया पर कतेको चित्र पोस्ट कय एहि भेंटक जानकारी देलनि। ओतय उपस्थित भारतीय लोकनि पीएम मोदीक समर्थनमे नाराबाजी कयलनि।

१९९२ मे द्विपक्षीय सम्बन्धक स्थापनाक बाद कोनो भारतीय प्रधानमन्त्रीक यूक्रेनक ई पहिल यात्रा अछि। प्रधानमंत्री मोदीक यात्राक मुख्य फोकस रूस-यूक्रेन विवादक शांतिपूर्ण समाधानपर चर्चा करब अछि। भारतकेँ दुनू देशक बीच मध्यस्थतामे सम्भावित रूपसँ रचनात्मक भूमिका निभाबयवला रूपमे देखल जाइत अछि।

दिल्ली छोड़बासँ पहिने प्रधानमंत्री मोदी कहने छलाह, “हम राष्ट्रपति ज़ेलेंस्कीक सङ्ग पहिने भेल वार्ताकेँ आगू बढ़यबाक अवसरक प्रतीक्षा करैत छी जाहिसँ द्विपक्षीय सहयोगकेँ मजबूत कयल जा सकय आ यूक्रेनमे चलि रहल संघर्षक शांतिपूर्ण समाधानपर दृष्टिकोण साझा कयल जा सकय। मात्र छह सप्ताह पहिने प्रधानमंत्री मोदी मास्को गेल छलथि आ रूसक राष्ट्रपति व्लादिमीर पुतिनसँ भेंट कयलनि। पाश्चात्य देश एहि पर आपत्ति जतौने छल।

मोदीक एहि यात्रासँ व्यापार, आर्थिक निवेश, शिक्षा, सांस्कृतिक आदान-प्रदान आ मानवीय सहायता सहित द्विपक्षीय सम्बन्धकेँ आओर मजबूत होयबाक आशा अछि। यूक्रेनक राष्ट्रपतिक कार्यालय सेहो एहि यात्राक महत्वपर जोर देलक अछि। यूक्रेन आ भारतक बीच कतेको दस्तावेज पर हस्ताक्षर होयबाक आशा अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *