देश-दुनिया

पाकिस्तानमे भारी बरखासँ २४ घंटामे २० गोटेक मृत्यु, कुल आंकड़ा २१५

नई दिल्ली

*

 

पाकिस्तानक राष्ट्रीय आपदा प्रबंधन प्राधिकरण (एनडीएमए) मंगलदिन कहलक जे पाकिस्तानमे पछिला २४ घंटामे मानसूनसँ जुड़ल घटनामे २० लोकक मृत्यु भेल अछि। मृतकक संख्या एखन धरि २१५ धरि पहुँचि गेल अछि।
एकटा रिपोर्टमे कहल गेल जे पछिला २४ घंटामे बरखासँ जुड़ल दुर्घटना आ बाढ़िक कारण कुल ४३ लोक घायल भेल अछि। जुलाईमे शुरू भेल मानसूनक मौसममे घायल लोकक संख्या ४०५ भऽ गेल अछि। मृतकमे १०८ बच्चा आ ३२ महिला शामिल अछि।

पूर्वी पंजाब प्रान्त सबसँ बेसी प्रभावित अछि जाहिमे ८६ लोकक मृत्यु भेल अछि। एकर बाद उत्तर-पश्चिमी खैबर पख्तूनख्वा क्षेत्र आ दक्षिणी सिंध प्रांत अछि जाहिमे क्रमशः ६५ आ ३७ लोकक मृत्यु भेल अछि।

रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे दक्षिण-पश्चिमी प्रान्त बलूचिस्तानमे १८ लोकक मृत्यु भेल अछि। पाकिस्तान प्रशासित कश्मीरमे जतय पाँच गोटेक मृत्यु भऽ गेल, ओतहि उत्तरी गिलगित-बाल्टिस्तान क्षेत्रमे मानसूनसँ जुड़ल घटनामे चारि गोटेक मृत्यु भऽ गेल अछि।

रिपोर्टमे इहो कहल गेल जे देशमे मानसूनक मौसममे ४४८ पशुक मृत्यु भेल अछि, जखनि कि २,५७५ घर आ ३१ पुल क्षतिग्रस्त भऽ गेल अछि।
रिपोर्टक अनुसार, देशक काबुल, सिन्धु आ झेलम नदीक जलग्रहण क्षेत्रमे अगिला ४८ घंटामे मध्यम तीव्रताक सङ्ग भारी बरखा भऽ सकैत अछि।
सरकार चिकित्सा देखभाल आ राहतक लेल कुल ८६ शिविर स्थापित कयलक अछि। एखनि धरि एहि शिविरमे ४,१०२ लोककेँ सहायता भेटल अछि।
पाकिस्तानमे मानसूनक मौसम सितम्बर धरि रहैत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *