बसपा सुप्रीमो मायावती बिहार सरकारसँ बिहारक मधुबनी आ मुजफ्फरपुर जिलामे दलित बालिकाक उत्पीड़नक संबंधमे विशेष अपील कयलनि अछि। ओ दलितक सुरक्षाक बात कएलनि।
बिहारमे अपराध बढ़ि रहल अछि। एतय अपराधीक बीच कानूनक कोनो डर नहिं अछि। अपराधी सभ खुलि कऽ अपराध कऽ रहल अछि आ पुलिस तमाशा देखि रहल अछि। बिहारमे हत्या, छीनतई, चोरी आ बलात्कार सन मामिला सभ दिन आबि रहल अछि। हालहिमे मिथिला क्षेत्रीय बिहारक मधुबनी जिलामे एकटा १८ वर्षक दलित बालिकाक संग बलात्कार भेल छल। किछुए दिनक बाद मिथिला क्षेत्रीय बिहारक एकटा आओर लोकप्रिय शहर मुजफ्फरपुरमे एकटा १४ वर्षक दलित बालिकाक संग सामूहिक बलात्कार आ हत्या कयल गेल। बिहारमे बढ़ैत अपराधकेँ देखैत सपा प्रमुख मायावती प्रतिक्रिया देलनि अछि।
बसपा प्रमुख मायावती सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर लिखलनि, “बिहारमे हालहिंमे जिला मधुबनीक लगभग १८ सालक एकटा दलित बालिकाक संग कमलेश यादव आ ओकर सहयोगी आ किछुए दिन बाद मुजफ्फरपुर जिलाक १४ वर्षीय दलित बच्चीक संग संजय राय आ ओकर साथी सभ सामुहिक बलात्कार कय कऽ ओकर निर्मम हत्या कऽ देलक।”
बसपा प्रमुख मायावती आगू लिखलखिन, “बिहार बसपा राज्य इकाईसँ भेटल ई रिपोर्ट बहुत दुखद आ चिंताजनक अछि। बिहार सरकारकेँ एहि दुनू घटनाकेँ गंभीरतासँ लेबाक चाही आ सब अपराधीक खिलाफ सख्त कार्रवाई करय केर चाही जाहिसँ एहेन घटना फेर नहि होय। सरकारकेँ दलितक सुरक्षा आ सम्मान पर विशेष ध्यान देबाक चाही।”
मायावती मांग कयलनि अछि जे बिहार सरकार बिहारमे दलित बालिकाक बलात्कारक दोषीक खिलाफ सख्त कारवाई करय। ओ बिहार सरकारसँ मधुबनी आ मुजफ्फरपुरक घटनाकेँ एक्स केर माध्यमसँ गंभीरतासँ लेबाक अपील कयलनि अछि, संगहि ओ बिहार सरकारसँ अपराधीक खिलाफ सख्त कारवाई करबाक मांग कयलनि अछि, जाहिसँ एहेन घटना फेर नहिं होय। ओ कहलनि जे बिहार सरकारकेँ दलितक सुरक्षा आ सम्मान पर विशेष ध्यान देबाक चाही।