सुरक्षा

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केरलक वायनाडमे कयलनि भूस्खलन प्रभावित क्षेत्रक दौरा

वायनाड
*

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी भूस्खलन प्रभावित क्षेत्रक दौरा कयलनि। प्रधानमंत्री मोदी एहि त्रासदीक जायजा लेबाक लेल केरलक वायनाडमे भूस्खलन प्रभावित क्षेत्रक हवाई सर्वेक्षण कयलनि अछि। हुनका संग मुख्यमंत्री पिनाराई विजयन सेहो छलाह। ई आपदा ३० जुलाईकेँ आयल छल, जाहिमे ४१६ लोकक मृत्यु भऽ चुकल अछि आ १५० सँ बेसी लोक लापता अछि।
वायनाडमे मोदी अस्पताल आ किछु राहत शिविरमे मरीजसँ भेंट करताह जतय भूस्खलनसँ प्रभावित १०,७०० सँ बेसी लोक ठहरल छथि।

एकर बाद मोदी एकटा समीक्षा बैसारक अध्यक्षता करताह। बैसारमे आरिफ मोहम्मद खान, विजयन आ अन्य अधिकारी भाग लेताह। एकर बाद ओ कन्नूर हवाई अड्डासँ नई दिल्ली घुरि अओताह।

प्रधानमंत्री मोदीक यात्रासँ पहिने वायनाडमे एनडीआरएफ, सेना, वायुसेना, नौसेना, अग्निशमन सेवा, नागरिक सुरक्षा आदिक १२०० सँ बेसी बचाव कर्मी बचाव आ राहत कार्यक लेल तैनात कयल गेल छल। चिकित्सा सहायता आ उपचारक लेल डॉक्टर आ अन्य चिकित्सा कर्मचारीक सङ्ग १०० सँ बेसी एम्बुलेंस तैनात कयल गेल अछि।
भारतीय सेना वायनाडमे १९० फीट नमगर बेली ब्रिज बनौलक, जे भारी मशीनरी आ एम्बुलेंसक आवागमन लेल महत्वपूर्ण अछि। पुलक निर्माण मात्र ७१ घंटामे पूरा भेल, जाहिसँ भारी वाहन आ मशीनरीकेँ बचाव कार्यमे सहायता भेटल आ लगभग २०० लोककेँ बचायल गेल।
एकर अतिरिक्त, केन्द्र सरकार राज्यक प्रभावित क्षेत्रक दौरा करबाक लेल एकटा समितिक गठन कयलक अछि। ई टीम पछिला दू दिनसँ वायनाडमे डेरा डालने छल आ शनिदिन अपन दौरा पूरा कयलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *