राजनीति

अयोध्या दुष्कर्म मामिलामे अखिलेश यादवक डीएनए टेस्टक माँग पर मायावतीक सवाल

लखनऊ
*

उत्तर प्रदेशक अयोध्यामे एकटा लड़कीसँ बलात्कारक आरोपी समाजवादी पार्टीक भदरसा नगर अध्यक्ष मोईद खानक बेकरी पर बुलडोजरक कारवाईक बीच राजनीति गर्म भऽ गेल अछि। जतय सपा प्रमुख अखिलेश यादव डीएनए टेस्टक सुझाव देलनि अछि, ओतहि मायावती सपा पर सवाल उठौलनि अछि।

सपा प्रमुख अखिलेश यादव सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर लिखलनि जे सिर्फ आरोप लगा कऽ नहिं बल्कि कुकर्मक मामिलामे जे आरोपी भेल अछि ओकर डीएनए परीक्षण कऽ न्यायक रास्ता निकालल जाय। जे कियो दोषी अछि ओकरा कानूनक अनुसार पूरा सजा देल जेबाक चाही, मुदा जँ डीएनएक बाद आरोप झूठा साबित होइत अछि तखन सरकारमे शामिल अधिकारीसभकेँ बख्शल नहिं जयबाक चाही। न्याय इएह माँग करैत अछि।

एहि पर बसपा प्रमुख मायावती जवाब दैत सोशल मीडिया एक्स केर माध्यमसँ लिखलखिन जे अयोध्या सामूहिक बलात्कार मामिलामे आरोपीक खिलाफ यूपी सरकार द्वारा सख्त कारवाई उचित अछि, मुदा सपा द्वारा ई कहब जे आरोपीक डीएनए टेस्ट होयबाक चाही, एकरा की कहल जाए ? तखनि तऽ सपा केर इहो बतेबाक चाही जे हुनक सरकारमे एहेन कतेक आरोपीक विरुद्ध डीएनए टेस्ट कराओल गेल छल। ओ आगू लिखलनि, “उत्तर प्रदेशमे अपराध नियंत्रण आ कानून व्यवस्था, विशेष रूपसँ महिला सुरक्षा आ उत्पीड़नक विषयमे बढ़ैत चिन्ताक बीच, अयोध्या आ लखनऊमे भेल घटना अत्यन्त दुखद आ चिन्ताजनक अछि। नीक होयत जे सरकार जाति, समुदाय आ राजनीतिसँ ऊपर उठि हुनका सभकेँ रोकबाक लेल कठोर कदम उठाबय।”

ज्ञात हुए जे अयोध्या बलात्कार मामिलामे योगी सरकार एक्शनमे अछि। मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ द्वारा लड़कीक मायसँ भेंट करबाक चौबीस घंटाक बाद आरोपी सपा नेता मोईद खानक बेकरी बुलडोजरसँ तोड़ि देलक। अतिरिक्त जिला मजिस्ट्रेट प्रशासन अनिरुद्ध प्रताप सिंह आ अयोध्या विकास प्राधिकरणक सचिव सत्येन्द्र सिंहक संग एसडीएम सोहावल अशोक सैनीक उपस्थितिमे ई कारवाई शुरू कयल गेल।
अयोध्या विकास प्राधिकरणक सचिव सत्येन्द्र सिंह कहलनि जे बेकरी पोखरिक जमीन पर बनाओल गेल छल। जांचक बाद कारवाई कएल गेल। आरोपीक अवैध संपत्तिक जांच कएल जा रहल अछि।
एतय योगी सरकारक मंत्री संजय निषाद पीड़ितासँ भेंट करबाक लेल अस्पताल पहुँचलाह। बाहर निकललाक बाद ओ कलपि-कलपि कानय लगलाह। ओ कहलनि जे अखिलेशक पीडीए गलत साबित भऽ रहल अछि। प्रतीत होइत अछि अखिलेशक जीत एहि अपराधी सभक सहारासँ भेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *