बिहारमे पूर्वी चम्पारण पुलिस आ एनसीबी संयुक्त अभियान चलौलक आ मादक पदार्थक तस्करीक विरुद्ध पैघ कारवाई कयलक। एहि अवधिमे छतौनी आ रामगढ़वा थाना क्षेत्रमे पाँचटा तस्करकेँ गिरफ्तार कयल गेल। हुनकालोकनिसँ ७ करोड़ टाकासँ बेसी मूल्यक भारी मात्रामे मादक पदार्थ बरामद कयल गेल।
पूर्वी चम्पारण (मोतिहारी) केर पुलिस अधीक्षक स्वर्ण प्रभात बृहस्पतिकेँ कहलनि कि गुप्त सूचनाक आधार पर मोतिहारी पुलिस आ एनसीबी केर संयुक्त छापामे छतौनी थाना क्षेत्रसँ दू किलोग्राम हेरोइन आ एकटा कारक संग दू गोट मादक पदार्थ तस्करकेँ गिरफ्तार कयल गेल। एम्हर रामगढ़वा थाना क्षेत्रसँ ब्राउन शुगर बनयबाक लेल प्रयुक्त रसायनक सङ्ग तीनटा मादक पदार्थक तस्करकेँ गिरफ्तार कयल गेल।
गिरफ्तार तस्करक पहिचान रामगढ़वा थानाक निवासी सुमित कुमार, सर्वेश यादव, रंजरत प्रसाद यादव, रत्नेश कुमार मिश्र आ धर्मवीर कुमार पाण्डेय (वैशाली) के रूपमे भेल अछि।
जब्त ड्रग्स नेपाल होइत बिहार आनल जा रहल छल जतयसँ एकर आपूर्ति आन क्षेत्रमे होयबाक छल। जब्त कयल गेल मादक पदार्थक मूल्य अन्तर्राष्ट्रीय बजारमे लगभग ७ करोड़ टाका कहल जा रहल अछि।
एसपी स्वर्ण प्रभात कहलनि जे पुलिस व्यापारी सभक लिंक पता लगा रहल अछि। संगहि आन लोकक पहिचान कयल जा रहल अछि आ ओकर विरुद्ध कारवाई कयल जा रहल अछि। मोतिहारी पुलिस मादक पदार्थक तस्करक खिलाफ लगातार अभियान चला रहल अछि। रविदिन मोतिहारी पुलिस ११.२ किलो ब्राउन शुगर आ ६.१० किलो चरस सहित पैघ मात्रामे मादक पदार्थ जब्त कयलक छल।
जब्त कयल गेल ड्रग्सक मूल्य अन्तर्राष्ट्रीय बजारमे ४ करोड़ टाकासँ बेसी होयबाक अनुमान छल। एहि मामिलामे एकटा तस्करकेँ गिरफ्तार कएल गेल छल।