अपराध

विदेश्वरस्थान मंदिरसँ गहना चोरीक आरोपमे 3 महिला गिरफ्तार, 37 गहना आ 15 मोबाइल जब्त

झंझारपुर समदिया
*

प्रसिद्ध विदेश्वरस्थान महादेव मन्दिरमे जलाभिषेकक भीड़मे महिला श्रद्धालुक गला, कान आ नाकसँ गहना चोरी करयवला तीनटा महिलाकेँ गिरफ्तार करबामे भैरवस्थान पुलिस सफल भेल अछि। पुलिस गिरफ्तार महिलाक घरसँ ३७ टा सोनाक गहना आ चोरीक १५टा मोबाइल फोन सेहो जब्त कयलक अछि। जब्त कयल गेल मोबाइलमे एकटा मोबाइल एप्पलक अछि, जखन कि तीनटा मोबाइल नॉन-स्मार्ट मोबाइल अछि। थाना प्रमुख सुनील कुमार झा एकर पुष्टि कयने छथि। ओ कहलनि जे ९.५ लाख रुपैयाक लगभग १४४.४ ग्राम सोनाक गहना जब्त कयल गेल अछि।

सम्पूर्ण घटनाक संबंधमे सूचना अछि सोमदिनक जलाभिषेकक क्रममे फूलपरासक नरहिया गोटक महिला उमा पासवानक पत्नी लीला देवीकेँ किछु श्रद्धालु पकड़ि लेलनि। जखन पुलिस सूचना पर पहुँचल आ महिला पुलिसक सहायतासँ ओकर जाँच कयलक, तखन ओकर लगसँ एकटा चेन आ चानीक हनुमान लॉकेट आ एगारह सौ रुपया जब्त कयल गेल। महिलाकेँ पुलिस स्टेशन आनल गेल आ सख्तीसँ पूछताछ कयल गेल। पुलिस फुलपरासक नरहिया गोठमे बिहारी पासवानक पत्नी आशा देवी, बिन्देश्वर पासवानक पत्नी वीणा देवी आ लीला देवीक घरपर छापा मारलक। वीणा देवीक घरसँ १०८.१० ग्राम आ कुल २९टा चोरीक सोनाक गहना आ एकटा मोबाइल फोन, आशा देवीक घर स ७.८ ग्राम वजनक एकटा मंगलसूत्र आ दूटा मोबाइल आ लीला देवीक घरसँ ३०.१५० ग्राम वजनक कुल सातटा सोनाक गहना आ १२ टा मोबाइल बरामद कयल गेल। एहिमे एकटा मोबाइल एप्पल सेट आ तीनटा नॉन-स्मार्ट मोबाइल अछि।

पुलिस सोमदिन पकरायल लीला देवी मामिलामे चौकीदार बिंदे यादवक बयान पर मामिला दर्ज कयलक अछि, जाहिमे लीला देवीक कहला पर उक्त दूटा महिला चोरक नाम सेहो लेल गेल अछि। मुदा, एक सोमकेँ छोड़ि दू सोमदिन विदेश्वरस्थानमे भक्तलोकनिसँ चोरी कयल गेल गहनाक संबंधमे कोनो प्राथमिकी दर्ज नहिं कयल गेल छल। हल्ला भेल जे दर्जनों भक्तक गहना चोरी भऽ गेल अछि। थाना प्रमुख कहलखिन जे जाहि भक्तक गहना चोरी भऽ गेल अछि, ओकरा थाना आबि अपन गहनाक पड़ताल करय केर चाही।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *