धर्म-संस्कृति

बोधगया लग सिलौंजामे बनत दुनियाक सात आश्चर्यक प्रतिकृति, योजनाक लेल १४.८५ करोड़ स्वीकृति

बोधगया
*

एहि योजनाक अन्तर्गत गीजाक पिरामिड, ताजमहल, चीनक दीवार सहित विश्वक सात आश्चर्यक प्रतिमूर्तिक निर्माण आ अन्य पर्यटन संरचनाक निर्माण पूरा होयत।

बिहार पर्यटन विभाग राज्यक विभिन्न भागमे पारम्परिक पर्यटनक सङ्ग-सङ्ग अनुभव आधारित पर्यटनकेँ बढ़ावा देबाक लेल लगातार काज कऽ रहल अछि। बोधगया लग सिलौंजामे एकटा नव आकर्षक पर्यटक आकर्षण बनेबाक लेल विश्वक सात आश्चर्यक प्रतिकृति बनयबाक निर्णय लेल गेल अछि। पर्यटन विभाग एकर निर्माणक लेल १४.८५ करोड़ टाकाक प्रशासनिक स्वीकृति सेहो देलक अछि।

पर्यटन विभागक सचिव अभय कुमार सिंह योजनाक विवरण दैत कहलनि जे एहि योजनाक अन्तर्गत पिरामिड ऑफ गीजा, ताजमहल, चीनक दीवार आ अन्य पर्यटन संरचना सहित विश्वक सात आश्चर्यक प्रतिमूर्तिक निर्माण पूरा कयल जायत। ओ कहलनि जे संरचनाक निर्माणक अन्तर्गत सिलौंजा सेवन वंडर्स पर्यटन स्थलक आधारभूत विकास कार्य, लाइटिंग आ पाथवे आदिक निर्माण कार्य करबाक अछि।

एहि योजनाक कार्यकारी एजेंसी वन प्रमंडल गया होयत। ई योजना अगिला 24 मासमे पूरा कयल जायत। बिहारक पर्यटन मंत्री नीतीश मिश्रा कहलनि कि बोधगयाक समीप सिलोंजामे लगभग ४० एकड़ जमीन पर बनय वाला ई पर्यटन स्थल नहिं केवल बौद्ध परिपथमे शामिल बोधगयाक दर्शन करय वाला देशी-विदेशी पर्यटकक लेल बल्कि ‘गया जी’मे विष्णुपद मंदिरमे दर्शन-पूजनक संग पितर सभक तर्पणक लेल आबयवाला दुनिया भरिक श्रद्धालुक लेल सेहो आकर्षणक एकटा नव केंद्र होएत।

ओ कहलनि जे एहिसँ नहिं केवल स्थानीय स्तर पर पर्यटन स्थलक विकास होयत बल्कि लोकक लेल रोजगार सृजनक अवसर सेहो बढ़त। उल्लेखनीय अछि जे प्रत्येक वर्ष बोधगयामे पैघ संख्यामे देशी-विदेशी पर्यटक अबैत छथि। पर्यटन विभाग हालहिमे पटनामे माँ बड़ी पटन देवी जी मन्दिर लग पर्यटन सुविधाक विकास करबाक निर्णय सेहो लेलक अछि। एकरा लेल विभाग द्वारा ७८.८३ लाख टाकाक प्रशासनिक स्वीकृति सेहो दऽ देल गेल अछि। एहि अंतर्गत अशोक राजपथ पर भव्य द्वार, टाॅयलेट काॅम्पलेक्स आ अशोक राजपथसँ शेरशाह रोड पर पाथवे केर निर्माण होएब अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *