जयपुरक भांकरोटा क्षेत्रमे शुक्रदिन भोरमे भेल भयावह दुर्घटना पूरा क्षेत्रकेँ हिला देलक। दिल्ली पब्लिक स्कूलक लग एकटा एलपीजी टैंकर आ ट्रकक टकरावमे भयानक विस्फोट भेल। एहि दुर्घटनामे ११ गोटेक मौकापर मृत्यु भऽ गेल। जखनि कि 35 लोक गंभीर रूपसँ घायल भेल अछि। दुर्घटनाक बाद १४ यात्री आ बसक चालक आ परिचालक लापता अछि।
विस्फोट एतेक शक्तिशाली छल जे लपट आकाश धरि पहुँचि गेल। घटनास्थल पर ठाढ़ एकटा स्लीपर बसमे ३४ यात्री छलाह। बस पूर्ण रूपसँ प्रायः जरि गेल, जाहिमे २० गोटे गम्भीर रूपसँ झरकि गेल छलथि। ओही समय कतेको चिड़ै आगिमे जरि गेल। एकटा बाइकरक हेलमेट हुनक मुँह पर चिपकि गेल, जाहिसँ ओकर आँखि जरि गेल। एकटा लाश अस्पताल पहुँचल, जाहिमे मात्र धड़ बचल छल, माथ आ टांग गायब छल।
विस्फोटक बाद छओ घंटा धरि आँखिमे दम घुटबाक आ जलनक अनुभूति होइत रहल। लगक कतेको गाड़ी जरि कए राख भS गेल। गेल इंडियाक एकटा अधिकारी कहलनि जे विस्फोट स्थलसँ १०० मीटर दूर कच्चा तेलक पाइपलाइन सुरक्षित छल, मुदा एहि क्षेत्रमे क्षति “बहुत पैघ” भेल अछि।
अग्निशमन दलक टीम कतेको घंटाक प्रयासक बाद आगि बुझायबामे सफल रहल। दुर्घटनाक कारणक जाँच कएल जा रहल अछि। प्रशासन पीड़ितसभकेँ हरसंभव मदतिक आश्वासन देलक अछि। घायल यात्रीसभकेँ जयपुरक अलग-अलग अस्पतालमे भर्ती कयल गेल अछि। लापता लोकक खोज आ मृतकक पहिचान जारी अछि। ई घटना लापरवाही आ सुरक्षा मानकक उपेक्षाक दर्दनाक चित्र प्रस्तुत करैत अछि। प्रशासनसँ लऽ कऽ आम नागरिक धरि सबके लेल ई चेतावनी अछि जे सुरक्षा उपायकेँ प्राथमिकता देल जयबाक चाही।