विधि-व्यवस्था

दिल्लीक मुख्यमंत्री केजरीवाल, बीआरएस नेता कविताक न्यायिक हिरासत बढ़ल ७ मई धरि

नई दिल्ली
*

दिल्लीक एकटा अदालत कथित आबकारी घोटालासँ जुड़ल धनशोधनक मामिलामे मंगलदिन मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल आ बीआरएस नेता कविताक न्यायिक हिरासतकेँ ७ मई धरि बढ़ा देलक।

रिमांड अवधिक अन्तमे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यमसँ अदालतमे पेश कयल गेलाक बाद सीबीआई आ ईडीक मामिलाक विशेष न्यायाधीश कावेरी बावेजा हुनक हिरासतकेँ बढ़ा देलनि।

न्यायाधीश तेलंगानाक विधान परिषद सदस्य आ पूर्व मुख्यमंत्री के चन्द्रशेखर रावक बेटीक न्यायिक हिरासतकेँ सीबीआई द्वारा जाञ्च कयल जा रहल भ्रष्टाचारक एकटा मामिलामे ७ मई धरि बढ़ा देलनि।

केजरीवालकेँ प्रवर्तन निदेशालय २१ मार्चकेँ दिल्ली आबकारी नीति मामलामे गिरफ्तार कयने छल। निचली अदालत १५ अप्रैलकेँ केजरीवालक न्यायिक हिरासतकेँ २३ अप्रैल धरि बढ़ा देने छल। ईडी आरोप लगओलक जे कथित शराब घोटालामे उत्पन्न अपराधक आयक प्रमुख लाभार्थी आम आदमी पार्टी (आप) अछि।

राउज एवेन्यू अदालत के कविताकेँ २३ अप्रैल, २०२४ धरि न्यायिक हिरासतमे पठा देने छल। हुनका हालेमे दिल्ली उत्पाद शुल्क नीतिसँ जुड़ल मनी लॉन्ड्रिंग मामिलामे प्रवर्तन निदेशालय गिरफ्तार कयने छल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *