छात्र नेता दिलीप कहैत छथि जे पहिल चरण आ दोसर चरणमे जे शिक्षक बहाल कयल गेल अछि ओहिमे सँ कतेकोक फर्जी दस्तावेज, प्रमाणपत्र आ बायोमेट्रिक्स सेहो फर्जी अछि। ई मांग पहिनेसँ उठि रहल छल।
छात्र नेता दिलीप एकटा बयान जारी कए बिहार लोक सेवा आयोग द्वारा चयनित शिक्षकक भर्तीमे कमीक बारेमे बिहार सरकारकेँ चेतौनी देलनि अछि। ओ कहलनि अछि जे पहिल चरण आ दोसर चरणमे नियुक्त शिक्षक सभमे कतेको अनियमितता भेल अछि। बहुत रास फर्जी शिक्षककेँ बहाल कयल गेल अछि, एहि सभ दस्तावेजक जाँच होयबाक चाही। जँ सरकार एहि पर काज नहिं करैत अछि तऽ बहुत जल्दिये पूरा बिहारमे पैघ आंदोलन होएत।
दिलीप कहलनि अछि जे एखने एकटा नव मामिला सोझाँ आयल अछि जे दू आ तीनटा शिक्षकक बहाली एकटा रोल नंबर पर कऽ देल गेल अछि, हम जल्दिये एकर खुलासा करब। दिलीप कहलनि जे पहिल चरण आ दोसर चरणमे बहुत रास फर्जी शिक्षक बनाओल गेल अछि, जिनकर फर्जी दस्तावेज, प्रमाणपत्र बल्कि बायोमेट्रिक्स सेहो नकली अछि। ई मांग पहिनेसँ उठि रहल छल।
बांका सहित किछु जिलामे एकर जांच भेल अछि, मुदा भागलपुर खगड़िया सहित कतेको जिलामे एहेन कतेको शिक्षक छथि, जे फर्जी दस्तावेज पर शिक्षक बनि गेल छथि। संगहि, टीआरई ३ मे परिणामसँ पहिने काउंसिलिंग भऽ गेल अछि। ओ कहलनि जे ई धोखाधड़ीमे मात्र बिहारेक शिक्षक नहिं छथि, बल्कि बिहारक बाहरक शिक्षक सभ सेहो आरक्षण पाबय लेल बिहारक कॉलेज स्कूलक फर्जी प्रमाण पत्र दऽकऽ बहाली भेल अछि। पैघ संख्यामे नकली शिक्षकक भर्ती भेल अछि, तखनि शिक्षामे गुणवत्ता केना होयत ? ई लोक बच्चाकेँ की पढ़ेताह ?
छात्र नेता कहलनि, “ताहि लेल हम मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ शिक्षा विभागसँ मांग करैत छी जे कमसँ कम सभ शिक्षकक बायोमेट्रिक सत्यापन अवश्य होयबाक चाही।” ओ कहलनि। एकर अतिरिक्त हुनकर सभख प्रमाणपत्र आ दस्तावेजक फेरसँ जाँच करबाक चाही जाहिसँ दूधक दूध आ पानिक पानि भऽ जाय। जे किछु नकली शिक्षक पाओल जाइत अछि, हुनका बिना देरी कयने हटा देल जेबाक चाही। छात्र कहलनि जे सरकारकेँ एहि पर जल्दी एक्शन लेबाक चाही, अन्यथा हम बिहारक लोक आंदोलन पर उतरब आ सरकारकेँ इ काज करय पड़त।