लोकसभा चुनावक दोसर चरणक बीच मुंगेरमे एकटा चुनावी जनसभाकेँ सम्बोधित करैत नीतीश कुमार कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्वमे पूरा देशमे विकासक काज चलि रहल अछि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बिहारक विकासमे सेहो बहुत सहयोग कयने छथि। हम एकरा लेल प्रधानमंत्रीकेँ धन्यवाद दैत छी। नीतीश कुमार कहलनि जे २००५ सँ हम सब बिहारक विकासक लेल लगातार एक संग काज कए रहल छी। मुदा, २००५ सँ पहिने जे बिहारकेँ चला रहल छलाह हुनकर कार्यकालमे बिहारक की स्थिति छल ?
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे हुनकर सरकारमे हिन्दू आ मुसलमानक बीच बहुत लड़ाई छल। लेकिन, हमर सरकार बनलाक बाद बहुत रास काज भेल अछि। नीतीश कुमार कहलनि जे किछु लोक सोचैत छथि जे मुस्लिम मतदाता पर हुनकर अधिकार अछि। मुदा हम सभ मुसलमानक लेल बहुत काज कयलहुँ। हमर सरकार कब्रिस्तानक घेराबंदी कयलक। संगहि हम सभ हिन्दू सभक लेल सेहो बहुत काज कयने छी। हमर सरकार मन्दिरक घेराबन्दी कयलक, प्रत्येक घरमे बिजली आ शौचालय उपलब्ध करओलक।
नीतीश कुमार कहलनि कि काज हमसभ कयलौंह आ वोट लेत ओ सभ। काज हमसभ कयलौंह आ वोट देब हुनका सभकेँ ? बीचमे किछु गड़बड़ भेल, मुदा आब हम सभ एक संग रहब। हम ४ लाखसँ बेसी नौकरी देलहुँ। हम १० लाखसँ बेसी लोककेँ नौकरी देब आ न्यायक संग विकासक काज करब।
बिहारक मुख्यमंत्री कहलनि जे बिहारक पूरा जनता हमर परिवार अछि। हम आ प्रधानमंत्री अपन निज परिवारक लेल काज नहिं कयलहुँ। हम लोकक लेल काज केलहुँ। अतः हम अहाँसँ निवेदन करब जे जातिक आधार पर नहिं, काजक आधार पर मतदान करू। हम अहां सबसँ अपील करैत छी जे ललन सिंहकेँ वोट दिअ। संगहि नीतीश कुमार बिहार आबय लेल पीएम मोदीकेँ धन्यवाद देलनि।