पूर्व केन्द्रीय मंत्री आ राष्ट्रीय लोक जनशक्ति पार्टी (आरएलजेपी) प्रमुख पशुपति पारस अपन भतीजा आ हाजीपुरक उम्मीदवार चिराग पासवानक लेल प्रचार करबाक लेल उत्सुक छथि। मुदा, एकरा लेल ओ आमंत्रणक प्रतीक्षा कऽ रहल छथि। चिरागक काका पशुपति पारस कहलनि, “जँ चिराग पासवान हुनका चुनाव प्रचार लेल आमंत्रित करैत छथि तँ ओ निश्चित रूपसँ हाजीपुर जा कऽ प्रचार करताह।”
ओ संवाददाता सभसँ कहलनि, “रालोसपा आ दलित सेनाक नेता आ कार्यकर्ता १२ मईकेँ पटनामे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक रोड शोमे भाग लेताह आ एनडीए उम्मीदवारक जीत सुनिश्चित करबाक लेल हरसंभव प्रयास करत। प्रधानमंत्री मोदी देशक सर्वमान्य नेता छथि आ हुनक नेतृत्वमे दस सालमे समाजक सभ वर्गक लेल काज भेल अछि।”
एकटा प्रश्नक उत्तरमे ओ कहलनि जे “हुनका चिराग पासवानक नामांकन सभामे आमंत्रित नहिं कयल गेल छल। एहि मामिलामे चिराग पासवान जनतामे भ्रम पसारलनि। चिराग पासवान पटना हवाई अड्डासँ प्रति दिन दू बेर हमर ऑफिसक सामनेसँ गुजरैत छथि। हमर निवास पटना हवाई अड्डा लग अछि आ हम बहुत दिनसँ पटनामे रहि रहल छी। जँ चिराग पासवान चाहतथि तऽ ओ हमरासँ भेंट कऽ चुनाव प्रचार करबाक अनुरोध कऽ सकैत छलाह। हम आयु आ सम्बन्धमे हुनकासँ पैघ छी, तेँ हुनका आबि हमरासँ भेंट करबामे परहेज नहिं करबाक चाही।” हमर नीति आ मंशा दुनू स्पष्ट अछि। हम आ हमर पार्टीक सभ कार्यकर्ता एनडीए उम्मीदवारक मदति लेल दृढ़ संकल्पित छी।”
आरएलजेपीक प्रदेश अध्यक्ष सांसद प्रिंस राज खुलासा कयलनि जे, “चिराग पासवानक टिकट बँटबाक तरीका सही नहिं छल, जाहि कारणेँ हुनक पार्टीमे विरोध भेल आ कतेको लोक पार्टी छोड़ि दोसर पार्टीमे चलि गेलाह। हुनक पार्टीक कतेको नेता आइ हुनक पार्टीसँ विद्रोह कऽ हुनक पाँच सीटपर हुनक उम्मीदवारक विरुद्ध प्रचार कऽ रहल छथि।”
लोकसभा चुनावमे राष्ट्रीय लोक जनशक्ति पार्टीकेँ सीट नहिं भेटलाक बाद पशुपति कुमार पारस घोषणा कयलनि जे ओ हाजीपुरसँ चुनाव लड़ताह। लेकिन, आब पशुपति पारस एनडीए उम्मीदवार चिराग पासवानक समर्थन करैत देखल जा रहल छथि। पशुपति कुमार पारससँ जखन ई सवाल पूछल गेल जे की ओ चिराग पासवानकेँ समर्थन करताह, तऽ ओ कहलनि जे बिहारक ४० मे सँ ४० उम्मीदवारक समर्थन अछि, हाजीपुर सेहो एहिमे अबैत अछि, हाजीपुरमे जरूरत पड़ला पर ओ चिरागक लेल प्रचार करय लेल सेहो जयताह।