बिहारमे आब भोर-साँझ ठंढा महसूस होबय लागल अछि। कतेको जिलामे न्यूनतम तापमानमे गिरावट आयल अछि। मौसम विज्ञान केन्द्र २० नवम्बरकेँ मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी, पटना सहित १५ जिलामे कुहेसक लेल येलो अलर्ट जारी कयलक अछि।
मौसम विज्ञान केन्द्रक अनुसार, बुधदिनसँ हवाक दिशामे बदलावक सम्भावना कहल गेल। पुरवैया चलत, दिनमे धुंध सेहो देखल जा सकैत अछि। संगहि तापमान सेहो खसि पड़त।
नवीनतम मौसम रिपोर्टक अनुसार, अगिला ३ सँ ४ दिनक दौरान न्यूनतम तापमान ८-१० डिग्री सेल्सियस रहबाक सम्भावना अछि। गोपालगंज, सीतामढ़ी, शिवहर, मधेपुरा, दरभंगा, मधुबनी, सुपौल, सहरसा, मुजफ्फरपुर, पूर्णिया, कटिहार, अररिया, किशनगंज, पूर्वी आ पश्चिमी चम्पारण जिलामे कुहेसक लेल येलो अलर्ट जारी कयल गेल अछि।
बदलैत मौसमक कारण कतेको जिलामे हवाक गुणवत्ता सेहो बिगड़ि गेल अछि। हाजीपुरक हवा सबसँ जहरीला अछि। ई रेड जोनमे अछि। एतय एक्यूआई स्तर 395 तक पहुँचि गेल अछि। एकर अतिरिक्त मुजफ्फरपुरमे एक्यूआई २९२, पटनामे २७०, राजगीरमे २७० दर्ज कयल गेल अछि। बिहारशरीफमे एक्यूआई २३९, समस्तीपुर २३७, बेगूसराय २२७ आ अररिया १८१ AQI अछि।
बिहार सरकार राज्यमे बढ़ैत प्रदूषणकेँ लऽ कऽ बहुत गम्भीर नजरि राखि रहल अछि। मुख्य सचिव सभ डीएमकेँ वायु प्रदूषणकेँ नियंत्रित करबाक निर्देश देलनि अछि। जिलामे वायु प्रदूषण पसारयबला एजेंसी पर जुर्माना लगेबाक निर्देश सेहो देल गेल अछि।