देश-दुनिया

‘हम युद्ध नहि चाहैत छी मुदा उचित जवाब देब’ : ईरानी राष्ट्रपति

नई दिल्ली
*

ईरान पर इजरायलक हमलाक बाद आब सबहक नजरि एहि बात पर लागल अछि जे तेहरान एकर की प्रतिक्रिया देत ? एम्हर ईरानक राष्ट्रपति मसूद पेजेशकियन रविदिन कहलनि, “हम युद्ध नहि चाहैत छी, मुदा हम अपन लोक, राष्ट्रक अधिकारक रक्षा करब आ इजरायलक आक्रामकताक उचित जवाब देब।”

ईरानी राष्ट्रपति चेतौनी देलनि जे जँ इजरायल “अपन आक्रामकता आ अपराध जारी रखत” तँ तनाव बढ़ि जायत। ओ अमेरिकापर आरोप लगओलनि जे ओ “एहि अपराधसभकेँ बढ़ावा दऽ रहल अछि।”

ईरानक आधिकारिक समाचार एजेंसी विदेश मंत्री अब्बास अराघचीक हवालासँ कहलक जे ईरान युद्ध नहि चाहैत अछि मुदा इजरायलक कोनो हमलाक जवाब “उचित समय” पर देत।

रिपोर्टक अनुसार, इजरायल कहलक जे शनिदिन भोरमे ईरानी सैन्य अड्डा पर भेल हमला एहि मासक आरम्भमे यहूदी राष्ट्र पर तेहरानक हमलाक प्रतिक्रिया छल।

इजरायलक चीफ ऑफ जनरल स्टाफ हर्जी हलेवी रविदिन चेतौनी देलनि जे हुनक देशक विरुद्ध कोनो खतरासँ सैन्य रूपसँ निपटल जायत। ओ कहलनि जे यहूदी राष्ट्र शनि दिनक ईरान पर हमलाक दौरान अपन सैन्य क्षमताक “मात्र एक हिस्सा”क उपयोग कयने छल।

हेलेवी कहलनि, “आब हम देखब जे चीज कोना विकसित होइत अछि। हम सभ क्षेत्रमे सभ चीजक लेल तैयार छी।”

ईरानक आधिकारिक रिपोर्टक अनुसार, शनिदिन ईरान पर इजरायली हमलामे एकटा नागरिकक मृत्यु भेल, जाहिसँ एहि हमलामे मरयवलाक संख्या पाँच भऽ गेल। एहिसँ पहिने समाचार एजेंसी कहलक जे हमलामे चारिटा ईरानी सैन्यकर्मी मारल गेल छल।
इजरायल एहि मासक आरम्भमे तेहरान द्वारा बैलिस्टिक मिसाइल हमलाक जवाबमे शनिदिन ईरानक सैन्य लक्ष्यपर सीधा हमला कयलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *