शिमलामे एकटा मस्जिदक अवैध निर्माणकेँ लऽ कऽ तनावपूर्ण स्थिति उग्र रूप लऽ लेलक अछि। प्रदर्शनकारी संजौलीमे पुलिस बैरिकेड तोड़ि देलक आ पथराव कयलक, जाहिमे एकटा सिपाही आ एकटा प्रदर्शनकारी घायल भऽ गेल। स्थिति पर काबू पाबय लेल पुलिस लाठी आ वाटर कैननक प्रयोग कयलक।
प्रदर्शनकारी सभ ढ़ली टनलमे लागल बैरिकेड तोड़ि संजौली दिसि बढ़लाह, जतय हुनका सभकेँ फेरसँ एसबीआईक बाहर रोकल गेल। प्रदर्शनकारी सभ पथराव कयलक, जाहिसँ हिंसा भड़कि गेल। जखनि आक्रोशित भीड़ बैरिकेड तोड़बाक प्रयास कयलक तखनि पुलिस लाठीचार्ज आ वाटर कैननक प्रयोग कयलक। एहि कारवाईमे कतेको प्रदर्शनकारी घायल भऽ गेल आ स्थिति तनावपूर्ण भऽ गेल।
संजौलीमे विवादित मस्जिदक निर्माण १९४७ सँ पहिने भेल छल आ २०१० सँ नगर निगमकेँ एकर स्थायी निर्माणक शिकायत भेटि रहल अछि। नगर निगम ३५ बेर अवैध निर्माण हटाबय केर आदेश जारी कयलक अछि।
शिमलामे धारा १६३ लगा देल गेल अछि। पुलिस कहलक जे सीआरपीसीक धारा १६३ मे भोर ७ बजे सँ ११.५९ बजे के बीच पाँच वा ओहिसँ बेसी लोकक एकत्रित होयबा पर रोक छैक। पुलिस फ्लैग मार्च सेहो निकाललक अछि आ ड्रोनसँ क्षेत्रक निगरानी कयल जा रहल अछि।
हिन्दू जागरण मंचक नेता कमल गौतमकेँ हिरासतमे लेल गेल अछि आ कतेको अन्य नेताकेँ गिरफ्तार करबाक दावा कयल जा रहल अछि। पुलिस ढ़ल्ली सुरंग लग आवाजाही बंद कऽ देलक अछि।
एहि विवादक समाधान आ स्थितिक सामान्य स्थितिक निगरानी जारी अछि, आ प्रशासन एहि क्षेत्रमे शान्ति कायम रखबाक प्रयास कऽ रहल अछि।