देश-दुनिया

यूएस सीक्रेट सर्विस ट्रम्प पर हमलाक दौरान लापरवाही कयलक स्वीकार 

नई दिल्ली
*

यूएस सीक्रेट सर्विस स्वीकार कयलक अछि जे १३ जुलाईकेँ पूर्व राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्पक हत्याक असफल प्रयासमे विफल रहल। जनतब जे पेंसिल्वेनियामे रैलीमे भेल एहि हमलामे एकटा व्यक्ति मारल गेल छल आ कतेको लोक घायल भऽ गेल छल।

समाचार एजेंसीक रिपोर्टक अनुसार शुक्रदिन एजेंसीक आंतरिक समीक्षा रिपोर्टसँ पता चलल कि हमलावर घटनासँ किछु घंटा पहिने रैली स्थल पर ड्रोन उड़ेने छल, मुदा एजेंट ओहि तकनीकक उपयोग करयमे लापरवाही कयलक, जाहिसँ हमलावरक पहिचान भऽ सकैत छल। रिपोर्टमे हमलासँ पहिने सिक्रेट सर्विसक एडवांस टीमक राज्य आ स्थानीय एजेंसीसभक सङ्ग समन्वयपर सवाल उठाओल गेल।

रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे ट्रम्पक सुरक्षाक लेल उत्तरदायी सिक्रेट सर्विस स्थानीय पुलिस स्नाइपरकेँ लगक छत केर सुरक्षित करबाक निर्देश देबामे विफल रहल। ट्रम्प हमलामे एजेंसीक भूमिकापर व्यापक आक्रोशक बीच सिक्रेट सर्विसक निदेशक किम्बर्ली चीटल इस्तीफा दऽ देने छलथि।

एहिसँ पहिने कांग्रेसक सुनवाईमे कतेको सांसद हुनकासँ पूछलनि जे एजेंसी छत सुरक्षित करबामे किएक विफल रहल।

शुक्रदिन एकटा समाचार ब्रीफिंगमे कार्यवाहक निदेशक रोनाल्ड रोवे ट्रम्पक रैलीक सुरक्षा योजनामे सिक्रेट सर्विसक दिससँ “स्पष्टताक कमी”क हवाला देलनि। ओ कहलनि, “ई महत्वपूर्ण अछि जे हम १३ जुलाईक असफलताक लेल अपनाकेँ जवाबदेह ठहराबी आ एहिसँ सीखल सबकक उपयोग एहि तरहेँ करी जे हम फेरसँ असफल नहि होय।”

दू मासक बाद ट्रम्पकेँ रविदिन फ्लोरिडाक एकटा गोल्फ कोर्समे फेरसँ एहने स्थितिक सामना करय पड़लनि। एहि दौरान पूर्व राष्ट्रपति पर हमलाक आरोपमे एकटा व्यक्तिकेँ गिरफ्तार कयल गेल छल। ई तखन भेल जखन सिक्रेट सर्विसक एजेंट झाड़ीमे राइफलक नली देखलक। मुदा, एहि घटनामे ट्रम्पकेँ कोनो नुकसान नहिं भेल।
दोसर हत्याक प्रयासक किछुए दिन बाद अमेरिकी प्रतिनिधि सभा शुक्रदिन सर्वसम्मतिसँ एकटा विधेयककेँ मंजूरी देलक जकर उद्देश्य राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपतिक उम्मीदवारक लेल सिक्रेट सर्विस प्रोटेक्शन केर बढ़ायब अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *