चुनाव

लोकसभा चुनावमे भाजपा द्वारा थोपल गेल बेरोजगारी सबसँ पैघ मुद्दा : कांग्रेस

नई दिल्ली
*

कांग्रेस प्रमुख मल्लिकार्जुन खड़गे रविदिन कहलनि जे लोकसभा चुनावमे सबसँ पैघ मुद्दा भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) द्वारा थोपल गेल बेरोजगारी अछि। ओ इहो कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक २ करोड़ रोजगार देबाक गारंटी हमर युवाक हृदयमे एकटा दुःस्वप्न जकाँ गूंजैत अछि। खड़गे सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर कहलनि, “हमर युवा नौकरी पाबय लेल संघर्ष कऽ रहल छथि, आ हम लोकतांत्रिक दुःस्वप्न दिसि देख रहल छी। भारतक प्रमुख संस्थान- आईआईटी आ आईआईएमक मामिला लिअ। १२ आईआईटीमे हमर लगभग ३०% छात्रकेँ नियमित प्लेसमेंट नहिं भेटि रहल अछि। २१ आईआईएममे सँ मात्र २०% एखन धरि ग्रीष्मकालीन प्लेसमेंट पूरा कऽ सकल अछि।”

ओ आगू लिखलनि “जँ आईआईटी आ आईआईएमक ई स्थिति अछि तखन कल्पना कयल जा सकैत अछि जे भाजपा कोना देश भरिमे हमर युवाक भविष्य बर्बाद कऽ देलक। मोदी सरकारक अधीन २०१४ सँ युवा बेरोजगारीक दर तीन गुना बढ़ि गेल अछि।”

खड़गे कहलनि “आईएलओक हालक भारत रोजगार रिपोर्टसँ पता चलैत अछि जे प्रत्येक वर्ष भारत लगभग ७०-८० लाख युवाकेँ श्रम शक्तिमे जोड़ैत अछि, मुदा २०१२ आ २०१९क बीच रोजगारमे लगभग शून्य वृद्धि भेल – मात्र ०.०१%, मोदीक २ करोड़ रोजगारक गारंटी हमर युवाक हृदय आ मस्तिष्कमे एकटा दुःस्वप्नक रूपमे गुंजैत रहैत अछि।”

खड़गे ‘हाथ बदलेगा हालत’क नारा दैत कहलनि, “तेँ कांग्रेस पार्टी ‘पहली नौकरी पक्की’केँ युवा न्यायक अन्तर्गत अनलक अछि। २५ सालसँ कम आयुक कोनो डिप्लोमा या डिग्री धारककेँ आब रोजगार तकबाक कानूनी अधिकार होयत आ ओकरा प्रति वर्ष कमसँ कम १ लाख टाका देल जायत। एहिसँ काज आ सीखबाक बाधाकेँ दूर कयल जायत, जे कैरियरक विकासक नव मार्ग खोलत।”

एहिसँ पहिने शुक्रदिन कांग्रेस सात चरणक लोकसभा चुनावक लेल अपन ‘न्याय पत्र’ वा घोषणापत्र निकाललक, जाहिमे स्वामीनाथन आयोगक रिपोर्टक अनुसार किसानसभकेँ हुनक उपज पर न्यूनतम समर्थन मूल्य (एमएसपी)क गारंटी देल गेल अछि।
लोकसभा चुनाव १९ अप्रैलसँ सात चरणमे होबयवला अछि। वोटक गिनती ४ जूनकेँ होएत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *