घटना

संसद परिसरमे धक्का-मुक्की, भाजपाक दू सांसद आईसीयूमे भर्ती

नई दिल्ली
*

बृहस्पति दिन भोरमे संसद परिसरमे हाथापाईक दौरान भाजपा सांसद मुकेश राजपूत घायल भऽ गेलाह। हुनका आईसीयूमे भर्ती कएल गेल अछि। बृहस्पति दिन (१९ दिसंबर) विपक्ष आ सत्तारूढ़ दलक सदस्य बाबा साहेब अम्बेडकरसँ जुड़ल मुद्दा पर संसद परिसरमे विरोध प्रदर्शन कयलनि। एहि दौरान कथित रूपसँ हुनका लोकनिक बीच झगड़ा भऽ गेल। एहि झगड़ामे भाजपाक दूटा सांसद प्रताप सारंगी आ मुकेश राजपूत घायल भऽ गेलाह। भारतीय जनता पार्टीक आरोप अछि जे नेता प्रतिपक्ष राहुल गाँधी धक्का देलनि, जकर परिणामस्वरूप हुनकर वरिष्ठ सांसद प्रताप सारंगी घायल भऽ गेलाह। दुनू नेता आईसीयूमे छथि। झगड़ामे घायल प्रताप सारंगीकेँ राम मनोहर लोहिया अस्पतालमे भर्ती कयल गेल अछि। हुनका माथमे चोट लागल अछि आ हुनका आईसीयूमे भर्ती कयल गेल अछि। एकर अतिरिक्त, मुकेश राजपूतकेँ सेहो चोट लगलाक बाद आईसीयूमे भर्ती कयल गेल अछि।

भाजपा सांसद प्रताप चन्द्र सारंगी कहलनि, “राहुल गांधी एकटा सांसदकेँ धक्का देलनि जे हमरा पर खसि पड़ल, जकर बाद हम खसि पड़लहुँ। हम सीढ़ी लग ठाढ़ छलहुँ तखने राहुल गाँधी अयलाह आ एकटा सांसदकेँ धक्का देलनि जे हमरा पर खसि पड़ल।

लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता आ कांग्रेस सांसद राहुल गाँधी कहलनि, “हम संसदक प्रवेशद्वारसँ प्रवेश करबाक प्रयास कऽ रहल छलहुँ, आ भाजपा सांसद हमरा रोकबाक प्रयास कऽ रहल छलाह। आ हमरा धमका रहल छलथि, तऽ इ भेल। ई संसदक प्रवेश द्वार अछि आ हमरासभकेँ प्रवेश करबाक अधिकार अछि। मुख्य मुद्दा ई अछि जे ओ संविधान पर हमला कऽ रहल छथि।”

केंद्रीय मंत्री अर्जुन राम मेघवाल कहलनि, “हमर दूटा सांसद गंभीर रूपसँ घायल भेल छथि। ४-५ सांसद आबि शिकायत दर्ज कएने छथि। आइ भाजपा-एनडीए सांसद पहिल बेर मकर द्वार पर विरोध प्रदर्शन कयलनि। ओ (विपक्ष) सोचलक जे ई हुनकर जागीर अछि। ओ सभ भीड़ केर चीरैत अयलाह। विपक्षी नेताकेँ अपन जिम्मेदारी बुझबाक चाही।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *