सदर थाना क्षेत्र केर मत्स्यगंधाक बसहा मोड़ पर मोटरसाइकिल सवार तीन अपराधी द्वारा पैसा लूटि करबाक घटना भेल, जाहिमे एकटा फाइनेंस कर्मचारीकेँ चाकू मारि घायल कऽ देलक। पुलिस अधीक्षकक कार्यालयसँ भेटल जानकारी अनुसार सदर थाना क्षेत्रक मत्स्यगंधा मोड़ पर मंगलदिन भोर करीब 10:15 बजे एक व्यक्ति राजनंद कुमार, पिता-महेश मिस्त्री, साकिन-रहुआ तुलसियाही, थाना-बिहरा अंतर्गत केर मोटरसाइकिल सवार तीनटा अज्ञात अपराधी हथियारस धमकी द कए आ चाकू सँ हमला कऽ 08.63 लाख टका लूटि लेलक। घटनाक बारेमे जानकारी भेटैत देरी अनुमंडल पुलिस अधिकारी सदर आलोक कुमार, थाना प्रमुख सदर श्रीराम सिंह सहित अन्य पुलिस अधिकारी घटनास्थलक निरीक्षण करैत घायल कर्मचारीकेँ सदर अस्पताल सहरसामे इलाजक लेल भर्ती कराओल गेल। ओतहि पुलिस अधीक्षकक निर्देश पर अनुमंडल पुलिस अधिकारी आरोपीकेँ गिरफ्तार करबाक लेल सदर थानाक नेतृत्वमे विशेष टीम बनाओल गेल अछि। गठित टीम द्वारा छापामारी कएल जा रहल अछि आ शहरक विभिन्न सीसीटीवीक जांच कयल जा रहल अछि।जतय जल्दिये आरोपी सभक गिरफ्तारी सुनिश्चित कयल जायत।