इलाजक लेल भारत आयल एकटा बांग्लादेशी सांसद अनवरुल अजीमक कोलकातामे हत्या कऽ देल गेल। कहल गेल अछि जे ओ ११ मईकेँ इलाजक लेल पश्चिम बंगाल पहुँचलाह। एकर बाद ओ अचानक गायब भए गेलाह। हुनकर अन्तिम ज्ञात लोकेशन कोलकाताक राजरहाटमे संजीवा गार्डन्स छल। शिकायत भेटलाक बाद पुलिस गुमशुदगीक मामिला दर्ज कऽ जांच शुरू कऽ देलक। मुदा, बुधदिन बांग्लादेशक गृह मंत्री असद्दुजमां खान घोषणा कयलनि जे अजीम मारल गेल अछि। बांग्लादेश पुलिस एहि मामिलामे तीनटा लोककेँ गिरफ्तार कयलक अछि।
ओ लोकनि कहलनि जे भारतमे लापता आवामी लीगक सांसद अजमी अंसारक हत्या कोलकाताक एकटा फ्लैटमे कय देल गेल। एखन धरि ई बात सोझाँ आयल अछि जे हुनकर हत्यारा बांग्लादेशी छथि। ओ सभ षड्यंत्र कय सांसदकेँ मारि देलक।
मंत्री कहलनि जे बांग्लादेश पुलिस ५६ वर्षीय सांसदक हत्याक मामिलामे तीनटा लोककेँ गिरफ्तार कयलक अछि।
शवक बारेमे पूछला पर मंत्री कहलनि कि हुनका एखन धरि एकर जानकारी नहिं भेटल अछि। असद्दुजमां कहलनि जे ओ जल्दिये एहि मामिलामे हत्याक कारणक खुलासा करत। भारतीय पुलिस सेहो एहि मामिलामे सूचना एकत्र कऽ रहल अछि।
अनवरुल अजीम आवामी लीग पार्टीसँ तीन बेर सांसद रहल छथि आ कालीगंज उपजिला इकाईक अध्यक्ष सेहो छथि। खबरि अछि जे जाहि झेनाइदा संसदीय क्षेत्रसँ ओ चुनल जाइत छथि ओतय अपराधक आंकड़ा बेसी छल।
अजीम १२ मईकेँ इलाजक लेल भारत आयल छलाह। १८ मईकेँ कोलकाताक बड़नगर पुलिस स्टेशनमे हुनक लापता होयबाक रिपोर्ट दाखिल कयल गेल छल। बांग्लादेशक प्रधानमन्त्री शेख हसीना एहि घटनापर आश्चर्य आ शोक व्यक्त कयलनि अछि।