रोजगार

तीससँ बेसी कंपनी बेरोजगार युवाकेँ देत नौकरी, ३५ हजार सँ बेसी वेतन

दरभंगा समदिया
*

बिहार कौशल विकास मिशनक तहत २२ आ २३ नवंबर केँ दरभंगाक नेहरू स्टेडियममे दू दिवसीय प्लेसमेंट मेलाक आयोजन कयल जायत जाहिसँ बिहारक बेरोजगार युवाकेँ रोजगार भेटत। योजना अधिकारी स्वयं दरभंगा जिलाक सभ कॉलेज आ विश्वविद्यालयमे जा कय बच्चा सभक बीच ई जानकारी दऽ रहल छथि। संगहि उप निदेशक नियोजन आशीष आनंद सेहो निर्देश देलनि अछि जे प्रचारक माध्यमसँ हर बेरोजगार युवा तक एहि रोजगार मेलाक बारेमे जानकारी पहुंचाउ।

एहि दू दिवसीय नियोजन मेलामे ३० सँ बेसी नियोक्ता आ आठ विभागीय स्टॉल सेहो लगाओल जायत। ई रोजगार मेला युवा, पुरुष आ महिलाक लेल रोजगारक एकटा नीक विकल्प होयत। रोजगार मेलामे साक्षात्कार देलाक बाद युवाकेँ देशक प्रसिद्ध कंपनीमे नौकरी भेटत। मेलाक मुख्य उद्देश्य ई अछि, जे बच्चा कम पढ़ल-लिखल अछि वा जिनका लग कोनो विशेष कौशल नहि अछि, एहि मेलासँ तिनका सभकेँ रोजगार भेटि सकैत अछि। विभिन्न नियोक्ता द्वारा लगभग सात हजार रिक्त पद देल गेल अछि। एहेनमे युवाकेँ एक जगह पर रोजगारक बहुत रास अवसर भेटत।

जँ अहाँ सेहो रोजगारक तलाशमे छी, तँ रोजगार मेलामे पहुँची, अहाँकेँ कोनो मल्टीनेशनल कम्पनीमे रोजगार भेटि सकैत अछि। ई रोजगार मेला युवाक लेल कतेको तरहें लाभदायक साबित होयत। एहि मेलामे ३० सँ बेसी कम्पनी आ सङ्गठन भाग लऽ रहल अछि। एहि मेलामे कौशल विकास कार्यक्रमक आयोजन सेहो कयल जायत, जाहिसँ युवा लोकनि अपन कौशल बढ़ा सकथि।

एतय बेरोजगार युवा सीधे कंपनीक प्रतिनिधिसँ बात कऽ सकैत छथि आ अपन योग्यताक बारेमे बता सकैत छथि। रोजगार मेला परिसरमे स्टॉल लगाबय लेल विभिन्न क्षेत्रक कंपनीकेँ जगह आवंटित कयल जा रहल अछि। पंजीकरणसँ छूटल अभ्यर्थीक लेल स्पॉट पंजीकरणक व्यवस्था सेहो कयल जा सकैत अछि। रोजगार मेलामे कंपनी द्वारा एखनि धरि देखाओल गेल रिक्तीक अनुसार कक्षा आठसँ स्नातक, पीजी, आईटीआई, डिप्लोमा, इंजीनियरिंग डिग्री धारक आ पैरा स्नातक धरि बेरोजगार युवा नौकरी पाबय लेल पहुँचत।

युवा सभकेँ जिनका रोजगार मेलाक माध्यमसँ रोजगार देल जाएत, हुनका सभकेँ विभिन्न कंपनी द्वारा १० सँ ३५ हजार रुपया तक मासिक वेतन देल जायत। जिला नियोजन अधिकारी मृणाल कुमार चौधरी बतौलनि जे एहिमे मल्टीनेशनल कम्पनीक अतिरिक्त स्थानीय कम्पनीकेँ सेहो बजाओल गेल अछि। मेलामे भाग लेबयवलाकेँ एकटा विशेष नोट राखय पड़त जे हुनका एनसीएस पोर्टल पर अपन पंजीकरण करय पड़त।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *