घटना

मधुबनीमे डिवाइडरसँ टकरायल बस, बाल-बाल बचलाह यात्रीगण

मधुबनी समदिया
*

चालकक लापरवाही वा कुहासा अथवा मधुबनी जिला मुख्यालयक खराब सड़क पर बनल डिभाईडरक दोष, कारण जे किछु होइ, पटनासँ मधुबनी आइब रहल एकटा निजी परिवहन कंपनी केर बस मधुबनीक निधि चौक पर दुर्घंट्नाग्रस्त भऽ गेल। हादसा बुधदिन रात्रि डेढ़ बजे भेल जखनि पूरा शहर सुतल छल।

पटनासँ अएबाक क्रममे घटना मधुबनीक निधि चौक पर भेल। प्राप्त सूचनाक अनुसार बसमे ककरो गंभीर चोट नहिं लागल, मुदा बसक घटनास्थलक स्थिति देखि लगैत अछि जे सभ बाल-बाल बचलाह। बसक चालकक अनुसार कुहासाक कारण डिभाईडर नहिं नजरि आयल।

जनतब जे मुख्यालयक सड़क कम चौड़ा अछि आ अहि केर बीचमे डिभाईडर हरदम दुर्घंट्ना केर आमंत्रित करैत अछि। जाहि ठाम दुर्घटना भेल ताहि ठाम सड़कक कातमे बिजलीक पोल सेहो अछि जाहिसँ हादसाक हरदम संभावना बनल रहैत अछि। जिला मुख्यालयक सड़क जर्जर अछि मुदा मधुबनी जिलाक अधिकारीगण एहि समस्याक समाधान करबाक कुनु प्रयास नहि कऽ रहल छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *