राजनीति

तेजस्वी यादवक १२ करोड़क मानहानि नोटिस पर कहलनि नीरज कुमार – अपन बात पर अडिग छी, लिखब ‘ठग ग्रंथ’

पटना
*

तेजस्वी यादवक १२ करोड़ १० लाखक मानहानि नोटिस भेजला पर जदयू एमएलसी नीरज कुमार कहलनि जे हम जे आरोप लगेलौंह अछि, ओहि पर अडिग छी। हम नोटिससँ नहि डरैत छी।

जदयू केर मुख्य प्रवक्ता आ विधान परिषद सदस्य नीरज कुमार तेजस्वी यादव पर सैलरी घोटालाक आरोप लगओलनि अछि। आब तेजस्वी यादव सैलरी घोटाला पर पलटवार करैत नीरज कुमारकेँ १२ करोड़ १० लाख मानहानिक नोटिस भेजने छथि। आब तेजस्वी यादवक नोटिस पर नीरज कुमार रवि दिन जोरदार हमला करैत कहलनि जे ‘ना नौ मन घी होगा ना राधा नचेगी’। “जँ हम अपन सम्पत्ति आ भायक सम्पत्ति बेचि देब तैयो हम १२ करोड़ टाका नहि जोड़ि सकब।

नीरज कुमार आगू कहलखिन जे तेजस्वी यादव चुनावी हलफनामामे अहाँक खिलाफ ११ मामिला दर्ज अछि। अहाँकेँ ओहि स्थितिक सामना करय पड़त जे अदालतक प्रक्रिया अछि – ‘तेजस्वी यादव पिता लालू यादव हाजिर हों’, एहेन दुर्दिन हमर नहिं रहल अछि, जे अहाँ पर हम आरोप लगेलौंह ताहि पर हम अडिग छी। अहांकेँ बताबय पड़त जे अपन चुनावी हलफनामामे इ दर्ज अछि जे जखन अहाँ विधायक नहि छलहुं तखन अहाँक मासिक आय ४२३९५ रुपैया छल। जखनि तेजस्वी यादव विधायक बनलाह तखन अहाँक मासिक आय ११,८१२.५० रुपया कोना भऽ गेल, जखनि कि आइ विधायकक मूल वेतन ५०,००० रुपया अछि।

जदयू एमएलसी कहलनि जे हम नोटिससँ नहि डरैत छी। सुशील मोदी ‘लालू लीला’ लिखलनि। हम ‘ठग ग्रंथ’ लिखए जा रहल छी। नीरज कुमार कहलनि जे तेजस्वी यादव पर भ्रष्टाचार निवारण अधिनियम लागू कयल गेल अछि। जँ तेजस्वी यादव देशक नेता छथि तखनि देशक कोन नेता पर ४२० केर आरोप अछि ? की ई राहुल गाँधी पर अछि वा फेर नरेन्द्र मोदी पर ? तेजस्वी यादव भाग्यशाली अवश्य छथि जे झारखण्डक चुनावक लेल पटनाक बेउर जेलसँ उम्मीदवार ताकि लैत छथि। नीरज कुमार कहलनि जे ओहि नोटिसक जबाब जरूर देब आ जँ राजनीतिमे अहाँक कलेजामे दम अछि तऽ हम जे आरोप लगओने छी, दस्तावेजक संग मीडियामे चलू, कोर्टमे चलू, दूधक दूध आ पानिक पानि भऽ जाएत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *