नीट पेपर लीक मामिलामे तेजस्वीक पीएस प्रीतम यादव केर भूमिका पर सवाल उठाओल जा रहल अछि। कारण ई अछि जे नीट परीक्षासँ एक दिन पहिने वैऽह ओहि सरकारी इंस्पेक्शन बंगलाकेँ गड़बड़ी करयवाला गैंग आ अभ्यर्थीक रहबाक लेल बुक करेने छलाह। ईओयू आब एहि संबंधमे प्रीतम कुमारसँ पूछताछ करय जा रहल अछि। बिहारक उपमुख्यमंत्री विजय सिन्हा सेहो कहने छलाह जे प्रीतमसँ एहि विषयमे पूछताछ करबाक चाही।
सूत्रक अनुसार, ईओयू तेजस्वी केर पीएस प्रीतम कुमारसँ पूछताछ करत, जे नीट पेपर लीक मामिलामे जेलमे बंद कनिष्ठ अभियंता सिकंदर यादवेंदु केर कहला पर बंगला बुक करेने छलथि। उपमुख्यमंत्री विजय सिन्हा सेहो कहलनि जे प्रीतमसँ पूछताछ करबाक चाही। पूछताछमे ईओयू प्रीतम कुमार आ पेपर लीकक मास्टरमाइंड सिकंदर यादवेंदुक बीच संबंधक पता लगयबाक प्रयास करत। ईओयूक एकटा टीम काल्हि साँझ पटनासँ दिल्ली लेल रवाना भेल अछि किएक तँ आइ ईओयूक टीम दिल्लीमे केन्द्रीय शिक्षा मंत्रालयक अधिकारीसभसँ भेंट कऽ पेपर लीकसँ जुड़ल सबूत देखाओत।
एतय बिहार सरकार द्वारा जांच एजेंसी ईओयू केश्र काज करय केर तरीकासँ नाराज हेबाक खबर अछि। सूत्रक अनुसार, जांच एजेंसी जाहि तरहें अभ्यर्थी सभकेँ सार्वजनिक पूछताछ लेल ईओयू प्रधान कार्यालय बजौलक, ओहिसँ सरकार परेशान अछि। संगहि, सरकार एजेंसी कार्यालयक बाहर उम्मीदवारक मीडिया ट्रायलसँ नाराज अछि।