तेजस्वी यादव मंगल दिन द एक्स पर पोस्ट कयलनि। सीएम केर यात्रा पर ओ कहलनि जे छात्र आ महिलाक लेल जमीनी स्तर पर किछु नहि, मुदा प्रचारक लेल अरबों टाका लूटाओल जा रहल अछि।
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक १५ दिसंबरसँ ‘महिला संवाद यात्रा’ पर निकलबाक कार्यक्रम अछि। एहि यात्रा पर २२५ करोड़ टाकासँ बेसी खर्च होबय जा रहल अछि। बिहारक नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव मंगल दिन हमला कयलनि। ओ यात्राकेँ चुनावी पिकनिक बतौलनि। बहुत रास सवाल सेहो उठौलनि।
तेजस्वी यादव एक्स पर लिखलखिन, “२ अरब २५ करोड़ ७८ लाख रुपया ! हँ ! अहाँ एकरा सही सुनलहुँ आ ई कैबिनेट नोट सेहो ठीक-ठीक पढ़लौंह। मात्र १५ दिनमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन प्रचारमे बिहारक खजानासँ अरबों रुपया खर्च करय जा रहल छथि।
२० साल धरि बिहारकेँ बेतहाशा बेरोजगारी, पैघ स्तर पर पलायन, जानलेवा महंगाई, अपरंपार अपराध आ भीषण भ्रष्टाचारक आगिमे झोंकिकेँ नीतीश कुमार द्वारा पिछड़ा आ गरीब राज्यक गरीब जनताक २२५,७८,००,००० रुपया अपन चुनावी पिकनिक पर फिजुलखर्ची करब की जायज अछि ?
तेजस्वी यादव अपन पोस्टसँ कतेको मुद्दा पर नीतीश कुमार पर हमला कयलथि। अपन पोस्टमे ओ आगू लिखलनि, “जीविका दीदीक पीड़ा, भ्रष्टाचारक भेंट चढ़ि ध्वस्त भेल सैकड़ों पुल-पुलिया, अनियंत्रित अपराध, बेलगाम मुद्रास्फीति, रिकार्ड तोड़ बेरोजगारी, प्रशासनिक अराजकता, थाना आ ब्लॉकमे अन्याय अत्याचार एवं घूसखोरीक पराकाष्ठा, जहरीला शराबसँ हजारो लोकक मौत, शराबबंदीक विफलता, स्मार्ट मीटरक भारी धोखाधड़ी, संस्थागत भ्रष्टाचार, अफसरशाही आदिकेँ कोनो यात्रा आब हिनक विनाशक मात्राकेँ नहिं नुका सकत।
तेजस्वी यादव कहलनि, “छात्र आ महिलाक लेल जमीनी स्तर पर किछु नहि अछि मुदा अधिकारी द्वारा प्रचारक लेल अरबों रुपया लूटाओल जा रहल अछि। नीतीश कुमार संवादक ‘शून्य मुद्दा’ पर २२५,७८,००,००० करोड़ टका खर्च करय जा रहल छथि।