एहि पर सुनिल सिंह कहलनि, ” एक गोटे लोकसभा सदस्य बनबाक लेल आ दोसर गोटे उपसभापति बनबाक लेल एहन रिपोर्ट तैयार कयलनि आ हमर बलि लेलनि। ओ सीतामढ़ीक पूर्व सांसद देवेश चन्द्र ठाकुर आ उपसभापति रामवचन रायक उल्लेख कऽ रहल छलाह। सुनील सिंहकेँ बृहस्पतिकेँ देर राति बिस्कोमान अध्यक्षक पदसँ हटा देल गेल छल।
राजद नेता सुनील सिंह कहलनि जे आजुक दिन काला दिन मानल जायत। आइ विधान परिषदमे लोकतंत्रक हत्या भऽ गेल अछि। हमर सदस्यता रद्द कएल गेल। एहि घटनाक पटकथा मुख्यमंत्री निवास पर लिखल गेल छल। हम गरीबक लेल, युवाक लेल आवाज उठबैत रहलहुं। हम जनहितमे आवाज उठबैत रहलहुं। हम शुरूसँ सीएम नीतीश कुमारकेँ खटकैत रहलहुँ। षड्यंत्रक तहत हमर सदस्यता रद्द कऽ देल गेल। अहाँ ककरोसँ पूछू आ ओ कहत जे ई लोकतांत्रिक मूल्यक हत्या अछि। नियमक विरुद्ध हुनकर हत्या कएल गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लालच दऽ केँ साजिश कयलनि। मिमिक्री केर सवाल पर ओ कहलनि कि सब आरोप निराधार आ बेबुनियाद अछि। जांच होबए केर चाही।